यातायात

आब मात्र ४ घंटामे मुजफ्फरपुर-गोरखपुरक बीच सफर, रेलवे लाइन पर ११२० करोड़ खर्च

पश्चिम चम्पारण
*

बिहारक बाद उत्तर प्रदेशमे ३१० किलोमीटर नमगर मुजफ्फरपुर-वाल्मीकिनगर आ गोरखपुर खण्डक दोहरीकरण शुरू भऽ गेल अछि। एहि रेल खंडक दोहरीकरणसँ मुजफ्फरपुर आ गोरखपुरक बीच यात्रा मात्र ४ घंटामे पूरा भऽ जायत। नीक गप्प ई अछि जे २१० किलोमीटर लम्बा मुजफ्फरपुर आ वाल्मीकि नगर रेलवे खंडक दोहरीकरणक काज आब अंतिम चरणमे पहुँचि गेल अछि। एहेनमे ९५•९५ किलोमीटर लंबा वाल्मीकिनगर-गोरखपुर कैंट रेलवे खंडक दोहरीकरणक काज शुरू भऽ गेल अछि।

एहि रेलवे खंड पर लगभग ११२०•६६ करोड़ टाका खर्च होबय केर अछि। एहि रेलवे खंडमे पड़य बला ९ क्रॉसिंग स्टेशन, ३ हाॅल्ट, १० पैघ आ ४३ छोट आ १ टा महत्वपूर्ण पुलक चौड़ाई सेहो बढ़ेबाक अछि। बुझबाक बात ई अछि जे एहि दोहरीकरण परियोजनाकेँ ५ चरणमे पूरा करबाक अछि। पहिल चरणमे गोरखपुर कैंटसँ पिपराइच तक १६•०९ किलोमीटर आ दोसर चरण मे १९•७२ किलोमीटर पिपराईच-कप्तानगंज तक पूरा होएत।

दोहरीकरणक काज पाँच चरणमे पूरा कयल जायत। जतय धरि तेसर चरणक सवाल अछि, कप्तानगंजसँ सिसवा बाजार धरि २६.१६ किलोमीटरक काज पूरा भऽ जायत। चारिम चरण मे २०.८७ किमी, सिसवा बाजारसँ पनियहवा आ पांचम चरणमे १३.१० किलोमीटर पनियहवासँ वाल्मीकि नगर रेल लाइनक दोहरीकरणक काज होबय केर अछि। जनतब जे गोरखपुर कैंटसँ कप्तानगंज धरि माईंट भरय केर काज शुरू अछि। बाकीक लेल टेंडरक प्रक्रिया फाइनल कयल जा रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *