मंत्री गिरिराज सिंह भागलपुरमे अपन ‘हिन्दू स्वाभिमान यात्रा’क उद्देश्य स्पष्ट कयलनि। हिन्दू स्वाभिमान यात्रा शुरू करबासँ पहिने शुक्रदिन भागलपुर जिला विद्यालय मैदानमे जनसभाकेँ सम्बोधित कयलनि। एहि दौरान ओ यात्राक बारेमे खुलि कय बात करैत कहलनि, “सभगोटे पूछैत छथि जे भागलपुरकेँ किएक चुनल गेल। भागलपुर एकटा ऐतिहासिक स्थान अछि, जखनि कियो चुनौती देलक अछि तखन भागलपुर पूरा जवाब देलक अछि। ओ पूछैत छथि : अहां सीमांचल किएक चुनलहुं ? यदि बाबासाहेब अम्बेडकरक बात स्वीकार कयल जाइत तखन मीडिया हमरासँ ई प्रश्न नहि पूछैत किएक तँ बाबासाहेब अम्बेडकर कहने छलाह जे ‘कुल मुसलमानकेँ पाकिस्तानमे भेजबाक चाही, कुल हिन्दू पाकिस्तानसँ भारत अयबाक चाही’।”
ओ आगू कहलनि जे नेहरू वोट चाहैत छलाह, नेहरू बाबा साहेबक बात नहि सुनलनि, बाबा साहेब कहने छलाह जे ‘जँ अहाँ हमर बात नहि मानब तऽ याद राखब जे भारतमे कहियो सामाजिक समरसता नहिं बनल रहत’ आ आइ हम इएह देखि रहल छी।
गिरिराज सिंह कहलनि जे रामगोपालकेँ बहराइचमे गोली मारल गेल। आइ हमरा दुर्गा मूर्तिक विसर्जनक लेल समय आ मार्ग माँगय पड़ैत अछि, की एहि दिनक लेल देश बँटल छल ? ई एकटा सुविचारित रणनीति छल। जखन ओवैसी बजैत छथि तखन दर्द होइत अछि। हम पूछैत छी जे लेबनानमे नसरुल्लाहकेँ इजरायल मारैत अछि, तखन हैदराबाद केर भाईजान मुंबई पहुंचैत अछि, पूरा देश दर्दसँ कराहय लगैत अछि, हम पूछैत छी जे पाकिस्तानमे हमर बेटी विवाह मंडपसँ उठल मुदा हमरा पेटमे कहियो दर्द नहि भेल, हम पूछय चाहैत छी जे जखनि बांग्लादेशमे मंदिर टूटैत अछि तखनि कियो नहि जागैत अछि।
ओ आगू कहलनि, “हमर हिन्दू भाई पाकिस्तान आ बांग्लादेशमे कतए चलि गेल ? आइ भागलपुर, पूर्णिया, अररिया, कटिहार, किशनगंजमे सेहो हमर जनसंख्यामे कमी आयल अछि। सबके नजरि हमर पूजा पद्धति पर सेहो अछि, इ यात्रा अछि, हम अहाँकेँ चेतावनी देबय लेल आयल छी। जाबत धरि देशमे शाश्वत बहुमत अछि, देश सुरक्षित अछि। मस्जिद ३००० सँ बढ़ि केँ पांच लाख कए देल गेल। हम कहियो आवाज नहि उठौलहुं। ताजियामे लाठीवला पाथर हम कहियो नहि देखलहुँ, मुदा आइ सीतामढ़ी होय वा बिहार शरीफ, दुर्गा मूर्तिक विसर्जनमे समस्या अछि। ई यात्रा हमर अस्तित्वकेँ बचाबय लेल अछि, भाय-भायकेँ एकजुट करबाक अछि जकरा वोटक व्यापारीलोकनिक नजरि नहि लागय।
ओतहि विपक्षक नेता पर हमला करैत भाजपा नेता कहलनि कि सुनलहुँ जे तेजस्वी भाई यात्रा रद्द कऽ देलखिन, ई राजनीतिक यात्रा नहि अछि, मुदा एहिमे सभ दलक हिन्दू दौड़ि रहल छथि, हिन्दूक यात्रा अस्तित्व बचाबय केर अछि।