बुध केर राति भेल किछु घंटाक बरखा दरभंगा नगर निगम केर सफाई अभियानक पोल एक बेर फेर खोलि कऽ राखि देलक। अनचोके आयल ई बरखा किछुए घंटामे एहेन कहर ढ़ाहलक जे नहिं केवल दरभंगा शहरक विभिन्न इलाका जलमग्न भऽ गेल, बल्कि स्वयं नगर निगम कार्यालय सेहो एहिमे डूबैत नजरि आयल आ ओकर दावा केर बुध केर राति भेल बरखा किछुए घंटामे धो कऽ राखि देलक। सबसँ बदतर स्थिति नगर निगम कार्यालयसँ सटल सीएम साइंस कॉलेजक एक बेर फेर भऽ गेल। एतय वृहस्पतिदिनसँ सीए केर परीक्षा शुरू भेल अछि। जाहिमे शामिल भेनिहार परीक्षार्थीकें भारी कठिनाइ केर सामना करय पड़ल। बुध केर देर राति भेल बरखासँ परिसरमे ठेहुन भरि पानि जमा भऽ गेल अछि आ ई महाविद्यालय प्रशासन केर चिंताक लकीर खूब बढ़ा देलक। महाविद्यालय केर विभिन्न कार्यालयमे सेहो पानि घुसि गेल जाहिसँ कार्यालय काफी अस्त व्यस्त भऽ गेल।
महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी बतेलनि जे नगर निगम आ जिला प्रशासनसँ महाविद्यालय परिसरमे लगातार भऽ रहल जलजमाव केर निदान करबाक बेर-बेर अनुरोध कयलाक बादो स्थिति जस केर तस बनल अछि। ओ बतेलनि जे महाविद्यालय परिसर केर चारू कात स्थित नाला केर अनधिकृत रूपसँ अतिक्रमित कऽ लेबाक कारण महाविद्यालयकेँ करीब सालो भरि जलजमाव केर अनचाहल समस्यासँ जूझय पड़ैत अछि। नगर निगम आ जिला प्रशासनसँ एहि बाबत बेर-बेर अनुरोध कयला बादो नतीजा अद्यतन शून्य अछि।
प्रधानाचार्य कहलनि जे नाला केर समुचित सफाई केर मामिलामे नगर निगम केर जँ आगूओ एहने उदासीनता बनल रहल, तऽ आगाँ स्थिति आओरो भयावह होबय बला अछि। ओ कहलनि जे अतिक्रमित नाला केर निरीक्षणक काज बेर-बेर अनुरोध कयलाक बादो अधिकारी सही तरीकासँ नहि कऽ रहलनि अछि। जकर परिणाम अछि जे महाविद्यालयक शिक्षक आ छात्र-छात्राकेँ अनेरे जलजमावक समस्यासँ बेर-बेर जूझय पड़ैत अछि।