राजनीति

ममता बनर्जी द्वारा इंडिया गठबन्धनक नेतृत्व पर तेजस्वी यादवक स्पष रूख

कोलकाता
*

तेजस्वी यादव कोलकातामे संवाददातासँ बात कए रहल छलाह। एहिठाम ओ ममता बनर्जीक बयान पर प्रतिक्रिया देलनि अछि।

पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी हालहिमे इंडिया गठबंधनक नेतृत्वक विषयमे बयान देलनि अछि, जकर बाद राजनीतिक गलियारामे हलचल मचि गेल अछि। इंडिया गठबन्धनमे शामिल पार्टीक कतेको नेता सेहो हुनक समर्थनमे छथि। एम्हर तेजस्वी यादव सब किछु स्पष्ट कऽ देने छथि जे लालू प्रसाद यादवक पार्टी राजदक की रुख रहत।

तेजस्वी यादव रवि दिन (०८ दिसंबर) कोलकातामे संवाददाता सबसँ बातचीत करैत एहि संबंधमे एकटा पैघ बयान देलनि अछि। ओ कहलनि जे सबकेँ मिलिकय निर्णय लेबए पड़त। किनको नाम पर कोनो विचार नहि कएल गेल अछि. ई तखनि भऽ सकैत अछि जखनि ई निर्णय सभ कियो बैसि कऽ लेत। हमरा लगैत अछि जे इंडिया गठबंधनमे जतेक लोक अछि वा जतेक वरिष्ठ नेता अछि, ताहिमे किनको पर केकरो कोनो आपत्ति नहिं होयत।

जनतब जे मुख्यमंत्री ममता बनर्जी हालमे एकटा चैनलसँ बात कए रहल छलीह। एहि अवधिमे ओ अपन इच्छा व्यक्त कयलनि आ कहलनि जे जँ हुनका इंडिया गठबन्धनक नेतृत्व करबाक मौका भेटत तँ ओ एकरा सुचारू रूपसँ चला सकैत छथि।

तेजस्वी यादवक इशाराक अतिरिक्त इंडिया गठबंधनक कतेको नेता छथि जे सीएम ममता बनर्जीक बयानक समर्थन कयने छथि। शरद पवार कहलनि अछि जे ममता बनर्जीमे इंडिया गठबन्धनक नेतृत्व करबाक क्षमता अछि। सांसद सुप्रिया सुले सेहो ममता बनर्जीक बयानक स्वागत कयलनि अछि। ओ कहलनि अछि कि “ओ इंडियाक सभ पैघ नेतामेसँ एक छथि। जँ ओ बेसी जिम्मेदारी लेबय चाहैत छथि तऽ हम हुनकर संग छी।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *