तेजस्वी यादव काल्हि लोकसभा चुनावक पहिल चरणक मतदान होयबासँ पहिने बिहारक राजनीतिकेँ मोड़ देबाक प्रयास कयलनि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रशंसा करैत कहलनि अछि जे ओ किछु तत्वसँ घीरल छथि जे हुनका गुमराह कऽ रहल अछि। तेजस्वी यादव कहलनि जे हुनका मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रति सहानुभूति अछि आ ओ हुनका पिता तुल्य मानैत छथि। ओ कहलनि जे एकटा एहनो समय आयत जखनि ओ एकटा किताब लिखता आ ओहि लोक सभक उल्लेख करताह जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक उपयोग कऽ रहल छथि।
तेजस्वी यादव एहि बारेमे एक्स पर एकटा पोस्ट लिखने छथि आ अपन बयानक एकटा वीडियो सेहो साझा कयलनि अछि। एहिमे तेजस्वी यादव ई कहैत देखल जा रहल छथि जे सीएम नीतीश कुमारकेँ छल-बलसँ भ्रमित कयल जा रहल अछि।
तेजस्वी यादव अपन पोस्टमे लिखलनि, “हम श्री नीतीश कुमार जी पर किछु नहिं कहय चाहब। ओ आदरणीय छथि, सम्मानित छथि। हमरा हुनका प्रति सहानुभूति अछि। हुनक लगपासक किछु लोक अपन व्यक्तिगत लाभक लेल हुनका गुमराह कय उपयोग कऽ रहल अछि। विपक्षकेँ तऽ छोड़ू, हुनका अपन पार्टी आ प्रशासनक बारेमे सही बात नहिं भेटैत अछि। हुनका एखन एकर अहसास नहिं अछि, मुदा ओ बादमे होयत। हुनक पार्टी आ जनताकेँ सेहो पछतावा होयत, मुदा ताबत धरि बात हाथसँ बाहर भऽ गेल होयत। ओ किछु लोक हुनका सभकेँ की कयलक ? छलसँ ओ सभ केना गुमराह भेलाह, हम ई सब आगाँ किताबमे लिखब। आब आलोचना करबाक समय आ परिस्थिति नहिं अछि। हम हरदम बेटा जकां हुनका संग ठाढ़ छलहुँ। हम हुनक स्वस्थ जीवनक कामना करैत छी।
तेजस्वी यादव अचानक नीतीश कुमार पर एतेक नरम किएक छथि, राजनीतिक जानकार एकरा लोकसभा चुनावसँ जोड़ि रहल छथि आ एकर पाछूक कहानी राजनीतिक विशेषज्ञ देखि रहल छथि।