राजनीति

तेजस्वी यादवकेँ पढ़यमे दिक्कत अछि तऽ दोसरेसँ ठिकसँ जानकारी लैथ : अशोक चौधरी

पटना
*

तेजस्वी यादव कहने छलथि जे बिहारक दुर्दशाक लेल नीतीश कुमार जिम्मेदार छथि। अशोक चौधरी एहि पर हमला जोरदार प्रहार कयलनि। जाति जनगणनाक समर्थन इंडिया गठबन्धनमे नहिं करय लेल कांग्रेसकेँ सेहो लपेटमे लेलनि।

तेजस्वी यादवक एहि बयान पर कि बिहारक दुर्दशाक लेल नीतीश कुमार जिम्मेदार छथि, अशोक चौधरी कहलनि कि सबके पता अछि जे नीतीश कुमारकेँ बिहार कोन हालतमे भेटल छल। तेजस्वी यादवकेँ अर्थशास्त्रक क, ख, ग, घ बुझबाक चाही।

तेजस्वी यादव पर कटाक्ष करैत अशोक चौधरी कहलनि, “हुनकर पिताजी आ माताजीक शासनकालमे केंद्रसँ की सहयोग छल आ केंद्र सरकार एखनुक समर्थनमे की दऽ रहल अछि। हमर नेता नीतीश कुमार बिहार बजट पर कोना काज कयलथि। सड़क केना बनल। हमरा सभकेँ मोन अछि जे पहिने जखनि कतहु पुल बनैत छल तखनि पूरा बिहारमे चर्चा होइत छल जे ओतय पुल बनि रहल अछि। आइ कतेक पुल बनि रहल अछि से केकरो मोन नहिं रहैत अछि।

अशोक चौधरी राजद शासन पर तीक्षण हमला कयलनि। ओ कहलनि, “बिहारक विकास दर देशक विकास दरसँ बेसी अछि। तेजस्वी यादव पढ़ू। हम जनैत छी जे अहाँकेँ पढ़बामे समस्या होइत अछि, आनसँ जानकारी लैत छी, तऽ दोसरेसँ ठिकसँ जानकारी लऽ कऽ बाजू ने। लालू यादवक शासनकालमे व्यापारी, डॉक्टर आ व्यवसायी कोना भागि गेल छलथि।

राहुल गाँधी द्वारा जाति जनगणना करेबाक विषयमे देल गेल वक्तव्य पर अशोक चौधरी कहलनि जे देरीयेसँ सही, मुदा समझिमे तऽ आयल जे ई कतेक महत्वपूर्ण अछि। जखनि हम कांग्रेस अध्यक्ष छलहुँ तखनि बिहार कांग्रेसमे कोनो ओबीसी सेल नहिं छल। राहुल देशमे जाति आधारित जनगणना करय केर बात कऽ रहल छथि, कांग्रेस अपन शासित राज्यमे पहिले जनगणना किएक नहिं शुरू कऽ रहल अछि ? नीतीश कुमार अपन राज्यमे इ कयलथि, कांग्रेसकेँ अपन शासित राज्यमे इ करय केर चाही।

अशोक चौधरी कहलनि जे नीतीश कुमार इंडिया गठबंधनसँ अलग भऽ गेलाह किएक तँ कांग्रेस जाति जनगणना पर सहमत नहिं छल। इंडिया गठबंधनक एजेंडामे सहमति नहिं बनल। ममता बनर्जी एकर विरोध कयलनि। नीतीश कुमार एहि लेल इंडिया गठबंधनसँ अलग भऽ गेलैथ। इंडिया गठबन्धनक बैसार मुंबईमे भेल छल आ ओतय एकर विरोध भेल छल। तखनि नीतीश कुमार बुझलनि जे इंडिया गठबंधनमे अति पिछड़ाक हकमारी होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *