नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव आइ-काल्हि लगातार नीतीश सरकार पर हमला कऽ रहल छथि। ओतहि शुक्रदिन ओ बलात्कारक घटना पर मुख्यमंत्री नीतीशक आलोचना कयलनि।
नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव बिहारमे अपराधक मुद्दा पर नीतीश सरकार पर लगातार हमला कऽ रहल छथि। सोशल मीडिया एक्स पर अपराधक लेल क्राइम बुलेटिन जारी कऽ रहल छथि।
तेजस्वी शुक्रदिन एक बेर फेर महिला सुरक्षा पर नीतीश सरकार पर हमला कयलनि। ओ बिहारक कतेको जिलामे भेल बलात्कारक घटनाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक आलोचना कयलनि। ओ कहलनि, “बिहारमे नीतीश कुमारक संरक्षणमे अपराधी आ बलात्कारी सभक मनोबल ऊँच अछि।”
तेजस्वी यादव बिहारमे भेल हालक अपराध पर क्राइम बुलेटिन जारी करैत एक्स पर लिखलनि जे ‘दरभंगामे १३ वर्षक बालिकाक संग सामूहिक बलात्कार, पुलिस एफआईआर दर्ज करबामे चारि दिन आ फेर अल्ट्रासाउंड करबामे चारि दिन आओर लगेलक। भाय कहलनि, प्राइवेट पार्टमे छल चोट आ सूजन।
आगू मुजफ्फरपुरमे एकटा नाबालिग बालिकाक अपहरण ओकर माय-बापक सोझाँ कयल गेल, सामूहिक बलात्कार कयल गेल, हैवान सभ नाबालिगक स्तन आ निजी अंग काटि लेलक, बादमे हत्या कऽ देलक आ आधा नग्न शरीरकेँ पोखरिमे फेकि देलक।
आगू मधुबनीमे १९ सालक लड़कीकेँ कुरहरिसँ काटि हत्या कए देल गेल।
पुनः वैशालीमे एकटा २७ वर्षक महिलाक धारदार हथियारसँ गर्दनि रेति हत्या कऽ देल गेल।
ओ लिखलनि, बिहारमे नीतीश कुमारक संरक्षणमे संरक्षित अपराधी आ बलात्कारी सभक मनोबल कतेक बढ़ल अछि, एकर उदाहरण ई मात्र हालक २-३ दिनक छोटछिन बानगी अछि।
तेजस्वी यादवक अपराधक मुद्दा पर आक्रामकता चर्चामे अछि। ओ सभटा अपरधक ‘अपराध बुलेटिन’ जारी कए नीतीश सरकार पर हमला कए रहल छथि। एहिसँ बिहारक राजनीतिमे बहुत रास आरोप-प्रत्यारोप जारी अछि।
एम्हर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मंचसँ इशारा-भावमे एहि मुद्दा केर जवाब दैत साफ कहलनि कि बिहारमे कानूनक शासन अछि।