वरीय पुलिस अधीक्षक जगून्नाथ जला रेड्डी बहेड़ा थानाक औचक निरीक्षण कयलन्हि। निरीक्षणक दौरान ओ रनींग रजिस्टर, शस्त्र पंजी, लूट पंजी, गूंडा पंजी, सीसीटीएनएस पंजी, डकैती पंजी, लोकशिकायत पंजी, जनशिकायत पंजी सहित दर्जनो पंजीक अवकोलन कय थानाध्यक्षकेँ आवश्यक दिशा निर्देश देलन्हि।
एहि दौरान ओ थानाध्यक्षकेँ विशेष रूपसँ रातुक समय वाहन सबहक जांच करबाक, संदेहास्पद लोक सभसँ पूछताछ कयनाइ, रातिक समय रोको टोको अभियान चलेनाइ, असमाजिक तत्व सभ पर विशेष नजरि रखनाइ , शराब माफिया पर विशेष रूपसँ नजरि रखनाइ आ शराब मामिलामे फरार चलि रहल अपराधी सभकेँ गिरफ्तार करबाक सख्त निर्देश देलन्हि।
निरीक्षणक दौरान एसएसपी दरभंगा थानाध्यक्ष बहेड़ा क्षेत्रमे भऽ रहल चोरी सबहक घटनाकेँ अविलंब उद्धभेदन करबाक आ रातिक गश्ती बढ़ेबाक निर्देश देलन्हि। थाना निरीक्षणक बाद ओ सर्किल इंस्पेक्टर बहेड़ाक कार्यालय आ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी कार्यालयक निरीक्षण सेहो कयलन्हि। निरीक्षणक दौरान प्रशिक्षु आईपीएस कोमल मीना , एसडीपीओ आशुतोष कुमार , सर्किल इंस्पेक्टर राज कुमार मंडल , बहेड़ा थानाध्यक्ष चंद्रकांत गौड़ी सहित थानाक पुलिस पदाधिकारी आ कर्मी मौजूद छलाह।