राजनीति

किछु ‘कट्टर बेईमान’ दिल्लीकेँ ‘आपदा’ दिसि धकेल देलक : पीएम मोदी

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन दिल्लीमे एकटा रैलीकेँ सम्बोधित करैत पूर्व मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवालक नाम लेने बिना हुनका पर घोर कटाक्ष कयलनि। सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारेक उल्लेख करैत ओ कहलनि जे किछु ‘कट्टर बेईमान’ लोक अन्ना हजारेकेँ आगू राखि दिल्लीकेँ ‘आपदा’ दिसि धकेल देलक अछि। एकर सङ्ग पीएम मोदी आम आदमी पार्टी (आप) केँ दिल्ली पर ‘आपदा’ बतौलनि।

पीएम मोदी कहलनि, “पिछला १० सालसँ दिल्ली एकटा पैघ ‘आपदा’क चपेटमे अछि। अन्ना हजारेकेँ आगू राखि किछु ‘कट्टर बेईमान’ लोक दिल्लीकेँ ‘आपदा’ दिसि धकेल देलक अछि। दारूक ठेकामे घोटाला, बच्चाक स्कूलमे घोटाला, गरीबक इलाजमे घोटाला, प्रदूषणसँ लड़य केर नाम पर घोटाला, भर्तीमे घोटाला। ई लोकसभ दिल्लीक विकासक गप्प करैत छलाह, मुदा ई लोक ‘आपदा’ बनि दिल्ली पर टूटि पड़ल छथि। ई लोकसभ खुलेआम भ्रष्टाचारमे लिप्त रहैत छथि आ फेर एकर महिमामंडन करैत छथि।”

ओ कड़गर व्यंग्य करैत कहलनि, “एक तऽ चोरी आ ऊपरसँ सीनाजोरी, ई ‘आपदा’ दिल्ली पर आयल अछि आ ताहि लेल दिल्लीवासी ‘आपदा’क विरुद्ध युद्ध छेड़ देलक अछि। दिल्लीक मतदाता दिल्लीकेँ ‘आपदा’सँ मुक्त करबाक लेल दृढ़ संकल्पित अछि। दिल्लीक प्रत्येक नागरिक कहि रहल अछि जे हम ‘आपदा’ बर्दाश्त नहि करब, हम एकरा बदलब।”

पीएम मोदी आगू कहलनि जे दिल्लीमे एतेक राजमार्ग बनि रहल अछि, एक्सप्रेस-वे बनि रहल अछि, ई एहि लेल बनि रहल अछि किएक तँ एहिमे ‘आपदा’क कोनो हस्तक्षेप नहि अछि। ‘आपदा’वाला दिल्लीकेँ मात्र समस्या दऽ सकैत छथि, जखन कि भाजपा जनताक समस्या सुलझाबयमे जूटल अछि।”

ओ कहलनि, “हम दिल्लीक लोककेँ मुफ्त इलाज देबाक लेल ‘आयुष्मान भारत’ योजनाक लाभ देबय चाहैत छी। ‘आपदा’ सरकारक दिल्लीक जनतासँ पैघ दुश्मनी अछि। आयुष्मान योजना पूरा देशमे लागू अछि, मुदा ‘आपदा’क लोक एहि योजनाकेँ एतय (दिल्ली) लागू नहि होबय दऽ रहल अछि। दिल्लीक जनताकेँ नुकसान सहन करय पड़य रहल छैक।”

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन दिल्लीक जनताक लेल ४,५०० करोड़ टाकाक विभिन्न योजनाक शुभारंभ कयलनि। ओ दिल्लीक अशोक विहारमे स्वाभिमान अपार्टमेंटमे नवनिर्मित फ्लैटक चाबी सेहो लाभार्थीसभकेँ सौंपलनि।

प्रधानमंत्री मोदी नौरोजी नगरमे विश्व व्यापार केन्द्र आ सरोजिनी नगरमे जीपीआरए टाइप-२ क्वार्टर आ द्वारकामे सीबीएसईक एकीकृत कार्यालय परिसर सहित दूटा शहरी पुनर्विकास परियोजनाक वर्चुअल उद्घाटन कयलनि। ओ नजफगढ़क रोशनपुरामे वीर सावरकर महाविद्यालयक आधारशिला सेहो रखलनि।

Spread the love