लोकसभा चुनावक छठम चरणक मतदान काल्हि समाप्त भेल। एहि चरणमे छओ राज्य आ केन्द्र शासित प्रदेशक 58 सीटपर मतदान भेल। एकर संगहि दिल्लीक सातो सीटपर सेहो मतदान भेल। छठम चरण धरि कुल 543 सीटमेसँ 486 सीटपर मतदान भऽ चुकल अछि। एहिसँ पहिने पाँचम चरणमे 62.2 प्रतिशत मतदान भेल छल।
मतदान भोर 7 बजे सँ शुरू भेल। एहि चरणमे छओ राज्य आ केन्द्र शासित प्रदेशक 58 सीटपर मतदान भेल। उत्तर प्रदेशमे 14, बिहारमे 08, पश्चिम बंगालमे 08, हरियाणामे 10, झारखण्डमे 04, ओडिशामे 06 आ जम्मू-कश्मीरमे एकटा सीटपर मतदान भेल।
सूचना अछि जे पश्चिम बंगालक गरबेटामे झारग्रामसँ भाजपा उम्मीदवार प्रणंत टुडूकेँ काफिला पर पत्थर फेंकल गेल। पाथर लगलासँ हुनकर सुरक्षा गार्ड घायल भऽ गेलाह। मतदाता सभकेँ डरयबाक शिकायत भेटलाक बाद टुडू गरबेटाक एकटा बूथपर जा रहल छलाह। भाजपा उम्मीदवारक गाड़ीमे सेहो तोड़फोड़ कएल गेल। भाजपा एहि हमलाक लेल टीएमसीकेँ दोषी ठहरौलक अछि। किछु आर हिंसाक घटना पश्चिम बंगालसँ अछि। जाहिमे पूर्वी मिदनापुर जिलाक महिषादलमे एकटा स्थानीय तृणमूल कांग्रेस नेताक चुनावी हिंसामे झड़पमे मृत्यु भऽ गेल।
छठम चरणक मतदानक बाद सातम आ अंतिम चरणक लेल 01 जूनकेँ 08 राज्यक 57 सीट पर मतदान होयत आ परिणाम 04 जूनकेँ घोषित कयल जायत।