असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा शनिदिन रांचीमे भाजपाक झारखंड इकाई द्वारा आयोजित एकटा बैसारमे भाग लेलनि। एतय मीडियासँ बातचीत करैत ओ बांग्लादेशक घटनाक्रम पर प्रतिक्रिया देलनि। मुख्यमंत्री कहलनि जे सीमा पर स्थिति नीक नहि अछि आ ओतय स्थिति चिंताजनक अछि। धीरे-धीरे स्थितिमे जरूर सुधार होएत। सरमा कहलनि, “एहि समय स्थिति बहुत खराब अछि। एखन धरि भारत सरकार राज्य सरकारकेँ सीमा पारसँ ककरो आबय केर अनुमति नहिं देलक अछि। भारत सरकारकेँ समाधान तकबाक लेल कूटनीतिक माध्यमसँ काज करय पड़त। एहि मुद्दा पर केंद्रक जे निर्णय होइ, राज्य सरकार सेहो ओहि अनुसार काज करत। असम सरकार अपन तरफसँ अलग रुख नहिं लेत।
लोकसभामे प्रतिपक्षक नेतापर प्रतिक्रिया दैत असमक मुख्यमंत्री कहलनि जे ओ बांग्लादेशमे हिन्दू पर अत्याचार पर नहि बजैत छथि। कांग्रेस नेता गाजाक बारेमे कतेक बेर ट्वीट कयलक।
जँ अहाँ दू-तीन मास पहिने देखब तँ गाजाक लेल ट्वीट आ प्रदर्शन देखाइत अछि। कांग्रेस आ ओकर इकोसिस्टम गाजाक लेल बहुत हंगामा कयलक। मुदा, बांग्लादेशमे हिन्दूक लेल अहाँ कतेक बेर ट्वीट कयलहुँ। कतेक बेर धरना-प्रदर्शन कयलौंह।
ओ कहलनि, “कांग्रेस साबित कऽ देलक अछि जे जँ मुसलमानसभकेँ देशमे कतहु समस्याक सामना करय पड़ैत अछि तँ हम ओतय छी, मुदा जँ हिन्दूसभकेँ समस्या अछि तँ हम नहिं छी। हमसभ हिन्दूक बीचमे छी आ हुनका सभकेँ जातिमे तोड़बाक लक्ष्य रखैत छी। गाजाक लेल २५ बेर ट्वीट करब। मुदा बांग्लादेशक हिन्दूसभक लेल ट्वीट नहि करब।”
हिमंत बिस्वा सरमा एक्स पर एकटा पोस्टमे लिखलनि जे “आइ बांग्लादेशमे जाहि तरहें हिन्दूसभ पर हमला कयल जा रहल अछि, ओहिना भारतक कतेको जिला जेना असम, झारखंड आ पश्चिम बंगालमे सेहो एहने स्थिति अछि। ई हिन्दूक लेल एकटा पैघ चुनौती अछि।”