श्याम रजक राष्ट्रीय जनता दलसँ राष्ट्रीय महासचिव आ प्राथमिक सदस्यक रूपमे इस्तीफा दऽ देने छलाह। तहियासँ अनुमान लगाओल जा रहल छल जे ओ जेडीयूमे शामिल भऽ सकैत छथि।
बिहारमे कहियो लालू प्रसाद यादवक नजदीकी राम आ श्यामक जोड़ी काफी प्रसिद्ध छल। रामकृपाल यादव आ श्याम रजक आब राजदसँ अलग भऽ गेल छथि। पूर्व मंत्री श्याम रजक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारसँ जुड़य जा रहल छथि। ओ नीतीशक पार्टी जनता दल यूनाइटेडमे शामिल हेताह।
जेडीयू कार्यालयमे आइ १ सितम्बरक बैसार कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल अछि। एहि आयोजनमे श्याम रजकक पार्टीमे स्वागत कयल जायत। एहि दौरान राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा, प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा, मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव, मंत्री विजय कुमार चौधरी, मंत्री रत्नेश सदा आ मंत्री सुनील कुमार उपस्थित रहताह।
ई जानकारी श्याम रजक के एक्स अकाउंट पर शेयर कएल गेल अछि। “पूर्व मंत्री सह राष्ट्रीय अध्यक्ष एबीडीएम श्याम रजक १ सितम्बर २०२४ केँ दुपहरिया १२ बजे जेडीयू कार्यालय, वीरचंद पटेल पथ, पटनामे अपन सहयोगीक संग जनता दल (यूनाइटेड) मे शामिल हेताह।”
श्याम रजक राष्ट्रीय जनता दल (राजद)क राष्ट्रीय महासचिव आ प्राथमिक सदस्यक रूपमे इस्तीफा दऽ देने छलाह। तहियासँ अनुमान लगाओल जा रहल छल जे ओ जेडीयूमे शामिल भऽ सकैत छथि। श्याम रजक १९९५मे चुनाव लड़लाह आ जीतलाह। ओ राबड़ी देवीक सरकारमे मंत्री सेहो रहि चुकल छथि। ओ २००९ मे पार्टीसँ इस्तीफा दऽ देलनि आ २०१०क विधानसभा चुनावसँ पहिने जेडीयूमे शामिल भऽ गेलाह। नीतीश कुमार हुनका मंत्री बनौलनि, मुदा अगिला विधानसभा चुनावमे राजदक संग जेडीयूक महागठबंधन बनल आ सरकार बनल। तखन श्याम रजककेँ मन्त्री पदक जिम्मेदारी नहिं देल गेल छल। एकर बाद २०२२क विधानसभा चुनावमे श्याम रजक जेडीयू छोड़ि राजदमे शामिल भऽ गेलाह।
श्याम रजक छओ बेर विधायक रहि चुकल छथि आ फुलवारी क्षेत्रमे हुनक काफी प्रभाव अछि। यद्यपि, राजद हुनका २०२०क विधानसभा चुनावमे फुलवारी सीटसँ टिकट नहिं देने छल। एकर बाद २०२२क विधान परिषदमे सेहो टिकटक लेल हुनका पर विचार नहिं कयल गेल।
राजदमे रहैत हुनका २०२४ केर लोकसभामे सेहो पैघ झटका लगलनि। ओ समस्तीपुर वा जमुई संसदीय सीटसँ चुनाव लड़य चाहैत छलाह, मुदा हुनका एहिठामसँ मैदानमे नहिं उतारल गेल छल। एहि सभ कारणसँ राजदसँ अप्रसन्नताक कारण ओ पार्टी छोड़ि जेडीयूमे शामिल होयबाक निर्णय लेलनि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सङ्ग बहुत दिन धरि काज कयने छथि।