चुनाव

कांग्रेसक बिहारक दूटा वरिष्ठ नेता देलनि इस्तीफा, लगौलनि गंभीर आरोप

पटना
*

बिहारमे चुनावक बीच कांग्रेस पार्टीकेँ पैघ झटका लागल अछि। प्रदेश प्रवक्ता विनोद शर्मा आ अरविन्द ठाकुर पार्टीक सभ पदसँ इस्तीफा दऽ देलनि अछि। एहि दौरान दुनू नेता पार्टी पर कतेको गंभीर आरोप लगओने अछि। एम्हर दुनू नेता पार्टीक खिलाफ कतेको गंभीर आरोप लगौलनि अछि। विनोद शर्माक कहब छनि जे राष्ट्रीय हित आ राज्यक हितमे दुखी मोनसँ पार्टीक प्राथमिक सदस्यतासँ इस्तीफा दऽ देलनि अछि। विनोद शर्मा कहैत छथि जे बिहारमे कांग्रेस पार्टी जंगलराज पार्ट-2 केर शुभारंभ लेल राजदक सामने घुटना टेकि देलक अछि। ओ दिल्लीसँ कांग्रेसक उम्मीदवार कन्हैया कुमार पर आपत्ति जतौलनि अछि। ओ कहलनि जे ‘भारत तेरे सौ सौ टुकड़े होंगें’ केर नारा देनिहार सरगनाकेँ दिल्लीसँ लोकसभाक उम्मीदवार बनाओल गेल अछि।

विनोद शर्मा कांग्रेसक वरिष्ठ नेता सोनिया गाँधी आ राहुल गाँधीकेँ चेतौनी देलनि जे कांग्रेस पार्टी पूरा देशमे खोटा सिक्का आ धनकुबेरकेँ बढ़ावा देबामे लागल अछि। एहि तरहेँ पार्टी पूर्ण रूपसँ समाप्त भऽ चुकल अछि। ओ पार्टीक प्राथमिक सदस्यता सहित सभ पदसँ इस्तीफा दऽ देलनि।

बिहार कांग्रेसक नेता अरविन्द कुमार ठाकुर सेहो कांग्रेस पार्टीपर कतेको गम्भीर आरोप लगौलनि अछि। अरविन्द कुमार ठाकुरक अनुसार, कांग्रेस पार्टी राम मन्दिर, जनसंख्या असंतुलन, सम्पत्ति विभाजन आदि पर जनभावनाक विरुद्ध सोच आ समर्पित कार्यकर्तासभक अनदेखी कऽ रहल अछि। एहि कारणेँ ओ कांग्रेस पार्टीक प्राथमिक सदस्यतासँ इस्तीफा दऽ रहल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *