जेडीयू छोड़लाक बाद रुपौलीक पूर्व विधायक बीमा भारतीक लेल समस्या बढ़ि गेल अछि। अदालतक आदेश पर भिट्ठामे बीमा भारतीक घरक कुर्की कयल गेल अछि।
बिहारक पूर्व मंत्री आ राजद नेता बीमा भारतीक भिट्ठा स्थित आवास पर पुलिस शुक्रकेँ कुर्की-जब्ती कारवाई कयलक। एहि दौरान पैघ संख्यामे पुलिस कतेको थानाक उपस्थित छल। अदालतक आदेशक बाद कुर्की कयल गेल अछि। समाचार लिखबा धरि एहि मामिलामे राजदक प्रदेश उपाध्यक्ष आ रुपौलीक पूर्व विधायक बीमा भारतीक कोनो बयान सामने नहिं आयल अछि।
जानकारीक अनुसार चर्चित गोपाल यदुका हत्याकांडमे बीमा भारतीक पति अवधेश मंडल आ बेटा राजा मंडल आरोपी अछि। हालक दिनमे पति पूर्णिया व्यवहार न्यायालयमे आत्मसमर्पण कयने छल, जखनि कि बेटा एखनो फरार चलि रहल अछि। एही मामिलामे कुर्की कएल गेल अछि. पूर्णियाक पुलिस अधीक्षक कार्तिकेय शर्मा कहलनि जे पूर्व विधायक बीमा भारतीक पति आ बेटाक खिलाफ वारंट जारी कयल गेल छल जाहिमे पति अवधेश मंडल आत्मसमर्पण कयने छलथि। मुदा पुत्र राजा मंडल फरार चलि रहल छल। अदालतक आदेश पर ई कारवाई कयल गेल अछि।
जानकारीक अनुसार पुलिस पहिने बीमा भारतीक घर पहुँचल, पुलिस मशीनसँ दरवाजा काटि ओकर बाद घरमे राखल फर्नीचर, सोफा, गैस सिलेंडर सहित आन सभ सामान निकालि लेलक। एकर बाद पुलिस बीमा भारतीक घरक सामान अपना संग लऽ गेल।
३ जुलाईकेँ पुलिस बीमा भारतीक घरमे कुर्कीक लेल पोस्टर लगओने छल। एहिमे कहल गेल छल जे हुनकर पति आ बेटा अदालतमे उपस्थित होइथ, नहि तँ घरक सामान कुर्क कयल जायत। मुदा पूर्व मंत्रीक बेटा राजा मंडल एखनि धरि अदालतमे आत्मसमर्पण नहिं कयने छलथि। एकर बाद पुलिस कुर्कीक कारवाई कयलक।
लोकसभा चुनावसँ पहिने बीमा भारती जेडीयूसँ राजद दिसि रुख बदलि लेने छलीह। ओ पूर्णियासँ राजदक टिकट पर लोकसभा चुनाव लड़लनि मुदा पप्पू यादवसँ हारि गेलीह। एकर बाद हुनका रुपौली उपचुनावमे सेहो पराजयक सामना करय पड़लनि।