राष्ट्रीय जनता दल केंद्रक यूपीएस केर फैसलाकेँ विपक्षक दबावमे लेल गेल फैसला बता रहल अछि। ओना, राजद इहो कहैत अछि जे हमर मांग आइयो पुरान पेंशन योजनाकेँ लागू करबाक अछि।
केंद्र सरकार कैबिनेटमे एकीकृत पेंशन योजना (यूपीएस) पारित कयलक अछि, जाहिसँ आब केंद्रीय कर्मचारी आ मृत्यु भऽ गेल पेंशनभोगीक परिवारकेँ फायदा होयत।
केंद्रक एहि निर्णयसँ भाजपा खुश अछि तऽ बिहारमे विपक्ष एकर श्रेय अपने लऽ रहल अछि। राजद प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी कहलनि जे जखनि चुनावक समय आबि गेल अछि, देशक चारि राज्यमे चुनाव होबय जा रहल अछि, सरकार पेंशन योजना अनलक अछि, हमर नेता तेजस्वी यादव लगातार एकर मांग करैत आबि रहल छथि। एहि दबावमे केंद्र सरकार ई निर्णय लेलक अछि।
प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी आगू कहलनि जे हमर मांग छल जे पुरान पेंशन योजना लागू कयल जाय, मुदा ई यूपीएस पुरान पेंशन योजना जकाँ नहि अछि। ‘पुरान बोतलमे नव शराब भरल गेल अछि।’ यूपीएसमे कतेको झोल-झाल अछि, हमर सभक मांग आइयो पुरने स्कीमकेँ लागू करब अछि।