राजनीति

राहुल गाँधीक परिवार ५० साल धरि भारतकेँ लूटलक : गिरिराज सिंह

नई दिल्ली
*

केन्द्रीय कपड़ा मंत्री गिरिराज सिंह कांग्रेस सांसद राहुल गाँधीक चुनावी भाषण पर कड़ा आपत्ति जतौलनि आ हुनका गांधी परिवारक इतिहासक स्मरण करा देलनि। एकर अतिरिक्त ओ महाराष्ट्र सरकारक गौ माताकेँ राजमाताक दर्जा देबाक निर्णयक सेहो प्रशंसा कयलनि।

कांग्रेस सांसद राहुल गांधी अपन भाषणमे केंद्र सरकार पर हमला कऽ रहल छथि। गिरिराज सिंह हुनक बयानकेँ ‘मानसिक दिवालियापन’ बतौलनि। ओ कहलनि जे राहुल गांधी मानसिक दिवालियापनक शिकार छथि। राहुल गाँधीक गलत धारणा अछि जे हुनक बयानसँ मोदीक छवि खराब होयत। राहुल गाँधीक परिवार ५० साल धरि भारतकेँ लूटलक, हुनक परिवारक शासनमे कतेको घोटाला भेल अछि। ओ तरीकाक बात नहिं करैत छथि, भारतसँ बाहर जाइत छथि आ देशकेँ गारि दैत छथि, हुनका ई कहबाक कोन अधिकार अछि ?”

यूपीक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथक एकटा चुनावी रैलीमे राहुल गाँधीक ‘नृत्य-गायन’ टिप्पणीपर प्रतिक्रिया दैत गिरिराज सिंह एकर समर्थन कयलनि। केंद्रीय मंत्री कहलनि कि राहुल गांधी भारतकेँ गारि दैत छथि, भगवान श्रीरामकेँ सेहो गारि दैत छथि। ई हुनकर स्वभाव बनि गेल अछि।

दरअसल, राहुल गांधी राम मंदिर प्राण प्रतिष्ठा समारोहकेँ “नृत्य-गीत” कार्यक्रम बतौने छलाह। एहि बयान पर सीएम योगी कहने छलाह जे ‘अहाँक परिवार जीवन भरि इ करैत रहल अछि।’

बेगूसरायक सांसद महाराष्ट्र सरकारक गौ माताकेँ ‘राज माता’क दर्जा देबाक निर्णयपर सेहो प्रतिक्रिया देलनि। गिरिराज सिंह कहलनि जे, “सम्पूर्ण सनातन परिवारमे गायक पूजा माताक रूपमे कयल जाइत अछि। गाय पूजा हमर धर्म अछि, जेना हम दीपावली आ दुर्गा पूजा मनबैत छी, तहिना गायक पूजा सेहो हमर धर्मक हिस्सा अछि। दुर्भाग्यवश, गाय कटनिहार सेहो एहि देशमे वोट बैंक अछि। एहि देशमे गायकेँ माताक दर्जा देल गेल अछि, आ हम महाराष्ट्र सरकार जे दर्जा देलक अछि ओहि लेल धन्यवाद दैत छी। हम आशा करैत छी जे देशक आन सरकार सेहो एकर सम्मान करत।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *