चुनाव

प्रियंका गांधी वायनाड सीटसँ कयलनि नामांकन, संगमे छलथि राहुल आ सोनिया

वायनाड
*

कांग्रेस महासचिव प्रियंका गांधी वाड्रा वायनाड लोकसभा उपचुनावक लेल बुधदिन अपन नामांकन पत्र दाखिल कयलनि। ओ पहिल बेर चुनाव लड़ि रहल छथि।

वायनाड लोकसभा सीटक उपचुनाव १३ नवम्बरकेँ होयत। एकरा देखैत कांग्रेस प्रियंका गाँधीकेँ एहिठामसँ मैदानमे उतारने अछि। ओ बुधदिन अपन नामांकन पत्रक तीन सेट दाखिल कयलनि।

एहि अवसर पर प्रियंकाक पति रॉबर्ट वाड्रा आ बेटा सेहो उपस्थित छलाह। एकर अतिरिक्त हुनकर माता आ कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष सोनिया गाँधी सेहो उपस्थित छलीह।

प्रियंकाक नामांकनक क्रममे अधिकारी लोकनि कहलनि जे नामाङ्कनक समय उम्मीदवारक सङ्ग मात्र पाँच गोटे उपस्थित रहि सकैत छथि। किछु समयक बाद प्रियंका गाँधीक पति आ हुनकर बेटा, कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे आ पार्टीक महासचिव केसी वेणुगोपाल कक्षसँ बाहर चलि गेलाह।

नामांकन पत्र दाखिल करबाक समय प्रियंका गाँधीक भाय आ लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधी सेहो उपस्थित छलाह। ओ वायनाडक जिला कलेक्टर मेघश्रीक समक्ष अपन नामांकन पत्र दाखिल कयलनि।

नामांकन दाखिल करबासँ पहिने प्रियंका अपन भाय राहुल गाँधीक सङ्ग रोड शो कयलनि आ फेर रैलीकेँ सम्बोधित कयलनि, जाहिमे कांग्रेसक कतेको नेता उपस्थित छलाह।

राहुल गाँधी लोकसभा चुनावमे दूटा सीट जितने छलाह। मुदा, बादमे ओ रायबरेलीक सीट चुनलनि आ वायनाड सीटसँ इस्तीफा दऽ देलनि।

भाकपा एहि सीटसँ सत्यन मोकेरीकेँ मैदानमे उतारने अछि। ओ २०१४ केर आम चुनावमे तेसर स्थान पर छलथि। जखन कि भाजपा नव्या हरिदासकेँ एतयसँ टिकट देलक अछि।

एहिसँ पहिने २०१९ केर आम चुनावमे राहुल गाँधी वायनाड सीटसँ ४.६० लाखक अन्तरसँ जीतल छलाह। वायनाड निर्वाचन क्षेत्रमे तीन जिला अछि – वायनाड, मलप्पुरम आ कोझीकोड।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *