श्रद्धांजलि

पीएम मोदी, राहुल गांधी समेत दिग्गज जन देलनि पंडित जवाहरलाल नेहरूक जयन्ती पर श्रद्धांजलि

नई दिल्ली
*

काल्हि १४ नवम्बरकेँ देशक पहिल प्रधानमन्त्री पंडित जवाहरलाल नेहरूक १३५म जयंती छल। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधी, भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसक अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे आ कांग्रेसक राष्ट्रीय महासचिव प्रियंका गाँधी एहि विशेष अवसर पर हुनका श्रद्धांजलि देलनि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी रविदिन भारतक पहिल प्रधानमन्त्री जवाहरलाल नेहरूकेँ हुनक जयन्तीपर श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि। ओ कहलनि, “हम अपन पूर्व प्रधानमंत्री पंडित जवाहरलाल नेहरूकेँ हुनक जयन्ती पर श्रद्धांजलि अर्पित करैत छी।”

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधी जवाहरलाल नेहरूकेँ आधुनिक भारतक जनक आ संस्थानक निर्माता कहलनि। ओ हुनका लोकतांत्रिक, प्रगतिशील, निडर आ दूरदर्शी बतौलनि।

राहुल एक्स पर लिखलनि, “आधुनिक भारतक जनक, संस्थानक निर्माता, भारतक प्रथम प्रधानमन्त्री पंडित जवाहरलाल नेहरूजीकेँ हुनक जयन्ती पर सादर नमन्। लोकतांत्रिक, प्रगतिशील, निडर, दूरदर्शी, समावेशी – ‘हिन्दक जवाहर’क इएह मूल्य हमर आदर्श आ हिन्दुस्तानक आधार स्तम्भ अछि आ सदैव रहत।”

कांग्रेसक राष्ट्रीय महासचिव प्रियंका गाँधी जवाहरलाल नेहरूकेँ स्मरण करैत ‘एक्स’ पर लिखलनि, ‘डर दुनियाक सभ कुरीतिक आधार थिक। जखनि हम दशकक संघर्ष आ असंख्य बलिदानक बदलामे स्वतन्त्रता प्राप्त कयलहुँ तखनो एहन लोक छल जे भोला-भाला लोकसभकेँ डराबय आ गुमराह करबाक लेल राजनीतिक उपयोग करैत छल। पंडित जवाहरलाल नेहरू हुनकासँ दृढ़तासँ लड़लाह आ आम जनतासँ कहलनि – ‘डरो मत !”

ओ आगू लिखलीह, “जे लोक भय पसारैत छथि ओ लोकक सच्चा प्रतिनिधि नहिं भऽ सकैत छथि। जनसेवक अपन सीना तानि सबसँ आगू ठाढ़ होइत अछि जाहिसँ लोक निर्भयतासँ रहि सकय। पंडित नेहरू सदैव जनताकेँ निर्भयता आ निस्वार्थ सेवाक शिक्षा देलनि, दोसर दिसि राष्ट्र निर्माणक प्रत्येक पड़ाव पर जनताकेँ सर्वोपरि रखलनि। आधुनिक भारतक निर्माताकेँ सादर नमन्।”

कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे जवाहरलाल नेहरूकेँ हुनक जयन्ती पर स्मरण करैत ‘एक्स’ पर लिखलनि, “एकता मन आ हृदयक होयबाक चाही, एक संग रहए केर भावना हेबाक चाही… पंडित जवाहरलाल नेहरू।”

खड़गे आगू लिखलनि, “भारतकेँ शून्यसँ शिखर पर पहुँचेनिहार व्यक्ति, आधुनिक भारतक शिल्पकार, जे भारतकेँ वैज्ञानिक, आर्थिक, औद्योगिक आ विभिन्न क्षेत्रमे विकासशील बनौलनि, देशकेँ ‘विविधतामे एकता’क सन्देश देलनि, लोकतंत्रक निर्भीक प्रहरी आ हमर प्रेरणास्रोत, ‘हिन्दक जवाहर’क १३५म जयन्ती पर हम देशक लेल हुनक अभूतपूर्व योगदानकेँ स्मरण करैत छी।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *