ब्रिटेनमे लेबर पार्टी ४ जुलाईकेँ भेल आम चुनावमे बहुमत प्राप्त कयलक अछि। कंजर्वेटिव पार्टीकेँ एखन धरिक सबसँ पैघ पराजयक सामना करय पड़ल अछि। परिणामसँ पता चलैत अछि जे लेबर पार्टी अगिला सरकार बनओत आ स्टार्मर नव प्रधानमन्त्री होयत। स्टार्मर आइ प्रधानमंत्रीकेँ रूपमे शपथ लेलाह।
सुनक राजा चार्ल्ससँ भेंट करबाक लेल बकिंघम पैलेस पहुँचल छथि। एतय ओ ब्रिटेनक प्रधानमंत्रीक पदसँ इस्तीफा देताह। सुनक कहलनि जे ओ कंजर्वेटिव पार्टीक नेताक रूपमे इस्तीफा दऽ देताह, मुदा तखनो उत्तराधिकारीक घोषणाक प्रतीक्षा करय पड़तनि। ओ अपन प्रतिद्वंद्वी कीर स्टार्मरकेँ जनहितैषी व्यक्तिक रूपमे वर्णित कयलनि अछि। संगे ओ कहलनि, “हम अहाँके क्रोध आ हताशाकेँ अनुभव कयलहुँ अछि। हम एहि हारक जिम्मेदारी लैत छी।
स्टार्मर इ बात इंडिया ग्लोबल फोरममे कहलनि।
कीर स्टार्मर भारतीय मूलक लोकक सङ्ग लेबर पार्टीक सम्बन्धमे सकारात्मक परिवर्तनक वकालत कयलनि अछि। ओ कहने छलाह जे यदि पार्टीकेँ मजबूत जनादेश भेटैत अछि तँ भारतक सङ्ग मुक्त व्यापार समझौतापर हस्ताक्षर समेत नव रणनीतिक साझेदारी पर काज करब। ओ पिछला साल इंडिया ग्लोबल फोरममे कहने छलथि, हमर स्पष्ट संदेश अछि। ई बदलल लेबर पार्टी अछि। हमर पार्टीक सरकार भारतक संग लोकतंत्र आ आंकाक्षाक हमर साझा मूल्य पर आधारित संबंध ताकत।