प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी १६म ब्रिक्स शिखर सम्मेलनमे भाग लेबाक लेल २२-२३ अक्टूबरकेँ रूसक दौरा करताह। विदेश मंत्रालय शुक्रकेँ कहलक जे प्रधानमंत्री समूहक सदस्य आ अन्य आमंत्रित सदस्यक नेताक सङ्ग द्विपक्षीय बैसार सेहो करतथि। एहि साल प्रधानमंत्री मोदीक ई दोसर रूस यात्रा अछि।
समूहक नौ सदस्यक विस्तारक बाद ई पहिल शिखर सम्मेलन अछि। मिस्र, ईरान, इथियोपिया आ संयुक्त अरब अमीरात एहि साल दक्षिण अफ्रीकामे २०२३-शिखर सम्मेलनमे सदस्यताक पेशकश कयलाक बाद समूहमे शामिल भऽ गेल।
अर्जेंटीना आ सऊदी अरबकेँ सेहो आमंत्रित कएल गेल छल। मुदा सरकार बदललाक बाद अर्जेंटीना मना कऽ देलक, जखन कि सऊदी अरब एखनि धरि कोनो प्रतिक्रिया नहि देलक अछि।
विदेश मंत्रालय कहलक जे प्रधानमंत्री मोदी रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिनक आमंत्रण पर २२-२३ अक्टूबरकेँ रूस यात्रा करताह। ओ रूसक अध्यक्षतामे कजानमे १६म ब्रिक्स शिखर सम्मेलनमे भाग लेताह। शिखर सम्मेलनक विषय अछि ‘न्यायसंगत वैश्विक विकास आ सुरक्षाक लेल बहुपक्षवादकेँ सुदृढ़ करब’। ई आयोजन नेतालोकनिकेँ प्रमुख वैश्विक मुद्दा पर चर्चा करबाक लेल एकटा महत्वपूर्ण मंच प्रदान करत।
वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे ई शिखर सम्मेलन ब्रिक्स द्वारा कयल गेल पहलक आकलन करबाक आ भविष्यमे सहयोगक लेल संभावित क्षेत्रक पहिचान करबाक एकटा मूल्यवान अवसर होयत।
विदेश मंत्रालय कहलक जे अपन यात्राक दौरान प्रधानमंत्री ब्रिक्स सदस्य देशक अपन समकक्षक सङ्ग आ कजानमे आमंत्रित नेतासभक संग द्विपक्षीय बैसार सेहो करताह।
यूरी उशाकोवक अनुसार, कजानमे ब्रिक्स शिखर सम्मेलनमे २४ देशक नेता आ कुल ३२ देशक प्रतिनिधिमण्डल भाग लेताह, जाहिसँ ई रूसक एखन धरिक सबसँ पैघ विदेश नीति कार्यक्रम बनि जायत।
ब्रिक्सक मुख्य बैसारक अतिरिक्त, ‘ब्रिक्स+’ फार्मेटमे ब्रिक्स आ ग्लोबल साउथ : मिलिकेँ विश्वक भविष्यक निर्माण’ विषय पर बैसार होयत। एहिमे एशिया, अफ्रीका, मध्य पूर्व आ लैटिन अमेरिकाक प्रतिनिधि शामिल होयत।