केंद्र सरकार विदेश जायवाला सातटा सर्वदलीय संसदीय प्रतिनिधिमंडलमे शामिल सभ सदस्यक नाम तय कऽ देलक अछि। ई प्रतिनिधिमंडल संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदक सदस्य देश आ अन्य प्रमुख साझेदार देशक दौरा करत आ देशक आतंकवाद विरोधी नीति, सैन्य कारवाइ आ ऑपरेशन सिंदूरक जानकारी देत।
सूत्रसँ प्राप्त जानकारीक अनुसार समूह 1 केर नेतृत्त्व भाजपा सांसद बैजयंत पांडा करथिन्ह आ ई प्रतिनिधिमंडल सऊदी अरब, कुवैत, बहरीन आ अल्जीरिया केर यात्रा करत। एहि प्रतिनिधिमंडलमे भाजपा सांसद निशिकांत दुबे, फंगनन कोन्याक आ रेखा शर्मा संगहि एआईएमआईएम केर असदुद्दीन ओवैसी, मनोनीत सांसद सतनाम सिंह संधू आ वरिष्ठ राजनेता गुलाम नबी आज़ाद शामिल छथि। पूर्व विदेश सचिव आ राजदूत हर्षवर्धन श्रृंगला सेहो एहि समूहक हिस्सा छथि।
भाजपा केर रविशंकर प्रसादक नेतृत्त्वमे समूह 2 ब्रिटेन, फ्रांस, जर्मनी, यूरोपीय संघ, इटली आ डेनमार्कक दौरा करत। एहि प्रतिनिधिमंडलमे टीडीपी केर दग्गुबाती पुरंदेश्वरी, शिवसेना (यूबीटी) केर प्रियंका चतुर्वेदी, मनोनीत सांसद गुलाम अली खटाना, कांग्रेस सांसद अमर सिंह, भाजपाक समिक भट्टाचार्य आ पूर्व मंत्री एम.जे. अकबर संगहि पूर्व डिप्टी एनएसए पंकज सरन शामिल छथि।
जेडीयू केर संजय कुमार झा’क नेतृत्वमे समूह 3 इंडोनेशिया, मलेशिया, दक्षिण कोरिया, जापान आ सिंगापुरक यात्रा करत। एहि केर सदस्य सभमे भाजपा सांसद अपराजिता सारंगी, बृज लाल, प्रदान बरुआ आ हेमंग जोशी, तृणमूल कांग्रेसक सांसद यूसुफ पठान, सीपीआई (एम) केर सांसद जॉन ब्रिटास आ वरिष्ठ कांग्रेस नेता सलमान खुर्शीद शामिल छथि। राजदूत मोहन कुमार विशेषज्ञक रूपमे समूहक संग रहताह।
शिवसेना सांसद श्रीकांत शिंदे केर अगुआईमे समूह 4 यूएई, लाइबेरिया, डेमोक्रेटिक रिपब्लिक ऑफ कांगो आ सिएरा लियोन केर दौरा करत। एहि दलमे भाजपा सांसद बांसुरी स्वराज, अतुल गर्ग आ मनन कुमार मिश्रा, आईयूएमएल केर ई.टी. मोहम्मद बशीर, बीजेडी केर सस्मित पात्रा आ भाजपा नेता एसएस अहलूवालिया शामिल छथि। राजदूत सुजान चिनॉय एहि प्रतिनिधिमंडलक हिस्सा छथि।
कांग्रेस सांसद शशि थरूरक नेतृत्वमे समूह 5 अमेरिका, पनामा, गुयाना, ब्राजील आओर कोलंबियामे भारतक प्रतिनिधित्व करत। प्रतिनिधिमंडलमे एलजेपी (रामविलास) सांसद शांभवी, जेएमएम केर डॉ. सरफराज अहमद, टीडीपी केर जी.एम. हरीश बालयोगी, भाजपा केर शशांक मणि त्रिपाठी आओर भुवनेश्वर कलिता एवं शिवसेना केर मिलिंद देवड़ा शामिल छथि। अमेरिकामे पूर्व राजदूत तरनजीत सिंह संधू आओर भाजपा सांसद तेजस्वी सूर्या सेहो एहि समूहमे शामिल छथि।
डीएमके केर कनिमोझी केर नेतृत्वमे समूह 6 स्पेन, ग्रीस, स्लोवेनिया, लातविया आओर रूसक यात्रा करत। एहि समूहमे सपा केर राजीव राय, एनसी केर मियां अल्ताफ अहमद, भाजपा केर बृजेश चौटा, राजद केर प्रेम चंद गुप्ता आओर आप केर डॉ. अशोक कुमार मित्तल शामिल छथि। वरिष्ठ राजनयिक मंजीव सिंह पुरी आओर जावेद अशरफ प्रतिनिधिमंडलमे शामिल छथि।
समूह 7 केर नेतृत्व एनसीपी (शरद पवार गुट) केर सांसद सुप्रिया सुले करतीह। ई प्रतिनिधिमंडल मिस्र, कतर, इथियोपिया आओर दक्षिण अफ्रीकाक दौरा करत। हुनका संग भाजपाक राजीव प्रताप रूडी आओर अनुराग ठाकुर, आप केर विक्रमजीत सिंह साहनी, कांग्रेसक मनीष तिवारी आओर टीडीपी केर लवू श्री कृष्ण देवरायलु सम्मलित छथि।
राजदूत सैयद अकबरुद्दीन संग वरिष्ठ नेता आनंद शर्मा आ वी. मुरलीधरन सेहो एहि मिशनक हिस्सा छथि।
एहि नाम सभक घोषणा करैत संसदीय कार्य मंत्री किरेन रिजिजू शनिक राति सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्ट कयने रहथि, यद्यपि बादमे ओ पोस्टकेँ डिलीट कय देने छलथि।