पाकिस्तान लगातार आतंकवादीक खिलाफ कारवाई करबाक दावा कऽ रहल अछि। पाकिस्तान कहलक अछि जे पछिला १० दिनमे ३७ आतंकवादी मारल गेल अछि।
सुरक्षा अधिकारीसभ कहलनि अछि जे पाकिस्तानक उत्तर-पश्चिमी खैबर पख्तूनख्वाक खैबर जिलामे चलि रहल सैन्य अभियानक क्रममे १० दिनमे कमसँ कम ३७ आतंकवादी मारल गेल आ १४ गोटे घायल भेल अछि।
पाकिस्तानी सेनाक मीडिया शाखा इंटर-सर्विसेज पब्लिक रिलेशन्स शुक्रदिन साँझ एकटा बयान जारी कयलक। एहिमे कहल गेल अछि जे सुरक्षा बल २० अगस्तसँ खैबरक तिराह क्षेत्रमे आतंकवादीक विरुद्ध कथित उपस्थितिपर खुफिया आधारित अभियान (आईबीओ) चला रहल अछि।
एकटा आर रिपोर्टक अनुसार, बुध आ बृहस्पतिकेँ कयल गेल नव अभियानक विवरण दैत आईएसपीआर कहलक कि सैनिक प्रभावी रूपसँ आतंकवादीक ठिकाना पर हमला कयलक आ आर १२ आतंकवादी मारि देल गेल ।
सेना कहलक जे चलि रहल अभियानसँ आतंकवादी समूह आ ओकर सहयोगी सभकेँ पैघ झटका लागल अछि।
आईएसपीआरक अनुसार, जाबत धरि क्षेत्रमे शान्ति बहाल नहिं भऽ जायत आ आतङ्कवादीक सफाया नहिं भऽ जायत ताबत धरि ई अभियान जारी रहत।
किछु दिन पुर्व दक्षिण-पश्चिमी पाकिस्तानक बलूचिस्तान प्रांतमे एकक बाद एक आतंकवादी हमलामे ७० सँ बेसी लोक मारल गेल छल।