चिराग पासवान कहलनि जे उपचुनावमे एनडीए जेना नीक प्रदर्शन कयलक अछि, हमरा विश्वास अछि जे हम आसानीसँ अपन लक्ष्य पूरा करब।
बिहार एनडीएमे आइ-काल्हि दूटा युवा नेताक बीच वाकयुद्ध चलि रहल अछि। दुनू एक दोसराकेँ निशाना बनाबएमे लागल छथि। एम्हर चिराग पासवान बृहस्पतिकेँ अपन पार्टीक स्थापना दिवस पर २०२५ केर बिहार चुनावमे पैघ जीतक दावा कयलनि।
दोसर दिसि आनंद मोहनक बेटा विधायक चेतन आनंद कहि रहल छथि जे चिराग पासवानकेँ स्पष्ट करबाक चाही जे ओ एनडीएमे छथि कि नहिं, जखन कि चिराग ई जवाब देबाक बदला एनडीए केर जीतक दावा कऽ रहल छथि अर्थात ओ इशारामे एकर उत्तर देलनि अछि।
केन्द्रीय मंत्री चिराग पटनामे देल एकटा बयानमे कहलनि, “हमर लक्ष्य २०२५ केर बिहार विधानसभा चुनावमे २०० सँ २५ बेसी सीट जीतबाक अछि। ई विश्वास हमरा उपचुनाव जीतिसँ आबि रहल अछि। उपचुनावमे एनडीए जाहि तरहें नीक प्रदर्शन कयलक अछि। एहिसँ हमरा विश्वास अछि जे हम अपन लक्ष्य आसानीसँ पूरा करब। हम एखनहिंसँ २०२५ केर तैयारी शुरू करब। हमर पार्टीक एकटा प्रतिनिधिमंडल गाम-गामक यात्रा करत।
वास्तवमे उपचुनावक बाद एनडीए नेताक मनोबल बहुत ऊँच अछि। इएह कारण अछि जे गठबन्धनक सभ नेता २०२५ मे सेहो पैघ जीतक दावा करय लागल छथि, मुदा काल्हि राजनीतिमे की होयत से कियो नहि जनैत अछि। किएकि राजनीति संभावना आ सांख्यिकीक खेल अछि। आजुक राजनीतिमे ई कहिया आ कतय जाइत अछि ई कहल कठिन अछि।
एन.डी.ए.मे नेतासभक बीच समय-समय पर वाकयुद्ध देखयमे आबैत अछि जे ओतय किछु ठीक नहि चलि रहल अछि। तखनि दावा अछि जे सब किछु ठीक अछि। चेतन आनन्द इहो दावा करय लगलाह अछि जे चिरागक पार्टी विभाजित होबय जा रहल अछि। कतेको नेता चिराग पासवानसँ नाराज चलि रहल छथि आ पार्टी छोड़य केर सोचि रहल छथि।