लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता आ कांग्रेस नेता राहुल गाँधी शनिदिन जातिगत जनगणना करेबाक आ देशमे आरक्षणक ५० प्रतिशतक सीमा समाप्त करबाक संकल्प लेलनि।
ओ कहलनि जे हम जरूर इ दुनू काज करब। जाहि दिन जातिगत जनगणना होयत, ओहि दिन देशमे क्रांतिकारी राजनीति शुरू होयत। ओ कहलनि जे हम ओहि भारतकेँ बदलय चाहैत छी जतय गरीब मजदूरकेँ पसीनासँ विशाल भवन, मॉल आ कार्यालय बनैत अछि, मुदा ओकरा ओहि केर भीतर प्रवेश करबाक अनुमति नहिं अछि।
कांग्रेस नेता कहलनि जे देशक बजटक माध्यमसँ पैसा खर्च करबाक निर्णय लेनिहार ९० अधिकारीमे सँ मात्र एकटा आदिवासी, तीनटा दलित आ तीनटा पिछड़ा वर्गक अछि। एहि अधिकारीसभकेँ मात्र ६ रुपया १० पैसा खर्च करबाक अधिकार अछि। हम चाहैत छी जे आदिवासी, दलित, ओबीसी आ अल्पसंख्यक जे जनसंख्याक ९० प्रतिशत अछि, ई तय करथि जे पैसा कतऽ आ कोना खर्च कयल जायत। ई परिवर्तन मात्र जाति जनगणनासँ आओत।
नेता प्रतिपक्ष प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर निशाना साधैत कहलनि जे ओ कहियो गरीब, आदिवासी आ पिछड़ा लग नहि जाइत छथि। ओ कहियो कोनो किसानकेँ गला नहि लगबैत छथि। ओ सभ कोनो गरीब घरमे विवाहक लेल नहि जाइत छथि। हुनका सभकेँ एहेन लोकसँ कोनो लेना-देना नहि अछि। राहुल गाँधी कहलनि जे भाजपा आ आरएसएस आदिवासीसभकेँ वनवासी कहि गरीब राखय चाहैत अछि। ओ सभ हुनका पानि, जंगल आ जमीन पर हुनक अधिकारसँ वंचित करय चाहैत छथि। हम हुनका अधिकार देबए चाहैत छी। आइ मीडिया, न्यायपालिका, प्रशासनिक सेवा, कॉर्पोरेट हाउस आ निजी संस्थानमे कोनो आदिवासी वा दलित अधिकारी नहि भेटत।
कांग्रेस नेता वादा कयलनि जे जहिना झारखण्डमे इंडिया ब्लॉक सरकार बनत, प्रत्येक महिलाक खातामे २५०० रुपैया महीना पठाओल जायत। ओ आदिवासी, दलित आ अन्य पिछड़ा वर्गक लेल आरक्षण बढ़ेबाक संकल्प लेलनि। राहुल गांधी कहलखिन कि झारखंडमे आदिवासीक आरक्षण २५ सँ बढ़ाकेँ २८ प्रतिशत, दलितक १० सँ बढ़ाकेँ १२ प्रतिशत आ ओबीसी वर्गकेँ १४ सँ बढ़ाकेँ २७ प्रतिशत कयल जाएत। एकर अतिरिक्त ओ प्रत्येक व्यक्तिकेँ प्रत्येक मास सात किलोग्राम राशन आ साढ़े चारि सय टाकामे गैस सिलेंडर देबाक वादा कयलनि।