ऋण लेबय केर इच्छुक लोककेँ मौका पर ऋण वितरणक लेल केंद्र सरकार क्रेडिट आउटरीच कार्यक्रम चला रहल अछि। एकर अन्तर्गत केन्द्रीय मंत्री आ अधिकारी राज्य सरकारक सहयोगसँ देशक विभिन्न क्षेत्रमे जाइत छथि आ ऋण वितरित करैत छथि। अगिला क्रेडिट आउटरीच कार्यक्रम १८ आ १९ नवम्बरकेँ दरभंगामे आयोजित कयल जा रहल अछि।
दरभंगाक कार्यक्रममे केन्द्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण उपस्थित रहतीह। एहि कार्यक्रममे एक हजार करोड़सँ बेसीक वितरणक लक्ष्य राखल गेल अछि। वित्त मंत्रालयक वित्तीय सेवा विभागक सचिव एम नागराजू राज्य सरकारकेँ पत्र लिखि एहिमे मदति करबाक अनुरोध कयलनि अछि। एकर अन्तर्गत राज्य सरकारकेँ ओहि विभागक संग समन्वय स्थापित करबाक लेल कहल गेल अछि जकर सहायतासँ ऋण वितरण कयल जा सकैत अछि। संगहि दरभंगामे आवश्यक सुविधा उपलब्ध कराबय केर सेहो अनुरोध कयल गेल अछि। केंद्रसँ पत्र भेटलाक बाद वित्त विभागक संग अन्य विभाग सेहो एहि कार्यक्रमकेँ सफल बनाबय केर तैयारी शुरू कऽ देलक अछि। एहिसँ पहिने ५ मार्चकेँ बिहारक छपरामे क्रेडिट आउटरीच कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल छल। कार्यक्रमक दौरान केन्द्रीय मंत्री निर्मला सीतारमणक माध्यमसँ ६१ हजार ७८७ लाभार्थीसभकेँ ऋणक रूपमे १३४९.५२ करोड़ टाका वितरित कयल गेल।
एहिमे प्रधानमंत्री मुद्रा योजना, प्रधानमंत्री रोजगार सृजन कार्यक्रम, स्टैंडअप इंडिया, एग्रिकल्चर इंफ्रास्ट्रक्चर सहित केन्द्र सरकारक ९ टा योजनाक लाभार्थीक अतिरिक्त पीएम स्वनिधि, जीविका सन योजना शामिल अछि।