आब बिहारक शिक्षकक लेल एकटा नव आदेश जारी कयल गेल अछि, कारण उपस्थितिमे फर्जीवाड़ा लेल शिक्षकक खिलाफ कारवाई कयल गेल छल। आब शिक्षकसभकेँ उपस्थिति लेल एप पर मात्र अपन सेल्फी नहिं बल्कि कक्षाक चित्र सेहो अपलोड करय पड़त।
बिहार शिक्षा विभाग ओहि शिक्षक सभकेँ नोटिस जारी कयलक अछि जे बिना स्कूल आबि ई-शिक्षा कोश एप पर धोखाधड़ीसँ उपस्थिति पोस्ट कऽ रहल छल। एकर संगहि शिक्षा विभाग एकटा नव नियम सेहो जारी कयलक अछि। शिक्षा विभाग कहलक अछि जे आब शिक्षक सभकेँ एप पर प्रतिदिन अपन सेल्फीएटा नहि बल्कि स्कूल परिसर वा कक्षाक लाइव फोटो सेहो अपलोड करय पड़त।
शिक्षा विभाग द्वारा बिहारक स्कूलक शिक्षकक लेल ई-शिक्षा कोश ऐप नामक एकटा उपस्थिति ऐप बनाओल गेल छल। एहि एपक उपयोग शिक्षकक उपस्थितिक लेल कयल जाइत अछि। एकर माध्यमसँ शिक्षककेँ स्कूलसँ अपन सेल्फी लेबय पड़ैत अछि आ ओकरा ई-शिक्षा कोष ऐप पर अपलोड करय पड़ैत अछि आ अपन उपस्थिति चिन्हित करय पड़ैत अछि, मुदा किछु शिक्षक एहि एप केर गलत उपयोग करय लगलथि आ फर्जीवाड़ा करय लगलथि।
शिक्षक लोकनि अपन उपस्थितिक लेल अपन साथी शिक्षकक फोनसँ पहिनेसँ सेल्फी लैत छलाह आ हुनक अनुपस्थितिमे वैऽह सेल्फी अपलोड करैत छलाह। पहिने तऽ शिक्षक लोकनि एहि प्रक्रियाक विरोध कयलनि आ फेर धोखाधड़ीसँ एकर उपयोग करय लगलाह, मुदा जखनि शिक्षा विभागकेँ एहि बातक पता चलल, तखनि एहेन शिक्षक लेल एकटा नव फरमान जारी कयल गेल।
नव फरमानमे कहल गेल अछि जे अपन सेल्फीक सङ्ग-सङ्ग शिक्षकसभकेँ विद्यालयक फोटो सेहो लेबय पड़त। मानल जाइत अछि जे एहि कारणेँ जे शिक्षक बिना स्कूल आबि अपन उपस्थिति लगा रहल छलाह। एकरा रोकल जा सकैत अछि। शिक्षा विभाग द्वारा कहल गेल अछि जे, सभ शिक्षकक लेल एहि नियमक पालन करब बहुत महत्वपूर्ण होयत। जँ कोनो शिक्षक प्रतिदिन नव फोटो आ सेल्फी अपलोड नहिं करैत छथि तखनि ओ अनुपस्थित मानल जायत। एकरा संग जे शिक्षक एपक माध्यमसँ गलत ढंगसँ उपस्थित भेल छथि। ओहि दोषी शिक्षकसभकेँ नोटिस सेहो जारी कयल गेल अछि।