चुनाव

आ आब नीतीश कुमारक होएत ‘प्रगति यात्रा’, राजद कहलक ‘माँ-बहिन योजना’क दबाव

पटना
*

पहिने मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक यात्राक नाम ‘महिला संवाद यात्रा’ राखल गेल छल। यात्राक लेल कैबिनेट द्वारा २२५ करोड़ टाकाक प्रस्तावकेँ सेहो मंजूरी देल गेल छल, मुदा महागठबंधन एहि पर सवाल उठा रहल छल। मुदा बिहारमे ‘महिला संवाद यात्रा’क बदला आब मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ‘प्रगति यात्रा’ पर जयताह। एहि पर राजद आ जेडीयू आमने-सामने अछि। राजद आरोप लगओलक अछि जे नीतीश कुमार ‘माई बहिन मान योजना’क डरसँ अपन ‘महिला संवाद यात्रा’ रद्द कऽ देलनि। एहिपर जेडीयू कहलक अछि जे महिलाक योगदानकेँ कियो नकारि नहि सकैत अछि, जे परिवारक पार्टी अछि, तकरा ‘प्रगति यात्रा’सँ की लेना-देना अछि ?

मुख्यमंत्री नीतीशक प्रगति यात्रा पर राजद प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी कहलनि कि मुख्यमंत्री महिला संवाद यात्रा पर जाय रहल छलथि, मुदा जखनि तेजस्वी घोषणा कयलनि जे जँ हमर सरकार बनत त ‘माई बहिन मान योजना’ शुरू होएत आ गरीब महिलाकेँ हर महीना २५०० रुपया देल जायत। एहि डरसँ नीतीश कुमार अपन ‘महिला संवाद यात्रा’ रद्द कऽ देलनि। आब ‘प्रगति यात्रा’ पर निकलताह, मुदा कोनो फायदा नहि होएत। ओ बिहारक हर क्षेत्रक दुर्गति कयने छथि।

जदयू केर मुख्य प्रवक्ता नीरज कुमार राजदक आलोचना करैत कहलनि कि हुनका सबमे समझक कमी अछि। महिलाक योगदानसँ कियो इनकार नहि कए सकैत अछि। लोकसभा चुनावमे तेजस्वीकेँ ताज पहिराओल गेल आ जनता चारिटा सीट पर ताला लगा देलक। परिवारक पार्टीक विकास यात्रासँ की लेना-देना अछि ? ‘प्रगति यात्रा’मे समीक्षा बैसार, स्थल निरीक्षण मानदण्ड होयत जे भविष्यक कार्य योजना की होयत।

दरअसल, नीतीशक यात्राक नाम महिला संवाद यात्रा छल, जे १५ दिसंबरसँ शुरू होबय वाला छल। यात्राक लेल कैबिनेट द्वारा २२५ करोड़ टाकाक प्रस्तावकेँ सेहो मंजूरी देल गेल। जाहि पर महागठबंधन सवाल उठा रहल छल जे सरकारी खजानाक दुरुपयोग भऽ रहल अछि। तेजस्वी यादव एहि यात्राकेँ “व्यर्थ खर्च” बतौलनि। आब जखनि नीतीशक यात्राक नाम बदलि ‘प्रगति यात्रा’ राखल गेल अछि, विपक्ष विशेष रूपसँ राजद एकरा निशाना बना रहल अछि, राजदक कहब अछि जे तेजस्वी यादवक कारण नीतीश कुमारकेँ अपन यात्रा बदलय पड़ल। अगिला साल होबयवला बिहार विधानसभा चुनावकेँ देखैत ई यात्रा महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि। सरकार आ विपक्ष दुनू अपन-अपन यात्राक माध्यमसँ चुनावक रणनीति तैयार कयलक अछि। एही लेल मुख्यमंत्रीकेँ यात्रासँ पहिने तेजस्वी यादव महिला लेल एकटा पैघ योजनाक घोषणा कयलथि, जखन कि मानल जा रहल छल जे मुख्यमंत्री नीतीश अपन महिला संवाद यात्राक दौरान महिलाक लेल एकटा पैघ योजनाक घोषणा करितथि। मुदा आब जखनि एहि यात्राक नाम बदलि गेल अछि तखन ई देखबाक बात होयत जे मुख्यमंत्री आब अपन ‘प्रगति यात्रा’मे कोनो योजनाक घोषणा करैत छथि कि नहि, जे राजदक ‘माई-बहिन मान योजना’ पर सेहो भारी पड़य।

जदयू प्रवक्ताक अनुसार मुख्यमंत्री अपन यात्राक दौरान विकास काजक समीक्षा करताह। सरकारी योजना सभ जमीनी स्तर पर कतेक सफल अछि, एहि पर हम फीडबैक लेब। हम आम लोकक समस्या सुनब। विकासक गति तेज करबाक प्रयास कयल जायत। प्रगति यात्राक दौरान हम समीक्षा बैठक करब। जाहिमे सम्बन्धित जिलाक प्रभारी मंत्री आ जिलावासी उपस्थित रहताह। स्थानीय सांसद, स्थानीय विधायक, स्थानीय पार्षद सेहो उपस्थित रहताह। यात्राक जे कार्यक्रम जारी कएल गेल अछि ताहि अनुसार नीतीश कुमार २३ दिसंबर २०२४ सँ प्रगति यात्रा पर निकलताह।

हुनकर यात्रा सोमदिन पश्चिम चम्पारणसँ शुरू होएत। तखनि ओ सभ वाल्मीकि नगरमे राति भरि रहताह। २४ दिसम्बर २०२४ केँ ओ पूर्वी चम्पारण (मोतिहारी) मे रहताह आ पटना घुरि अयताह। एकर बाद २५ दिसम्बरकेँ क्रिसमसक छुट्टी अछि। २६ दिसम्बरकेँ ओ शिवहर आ सीतामढ़ीमे रहताह आ फेर पटना घुरि अयताह। ओ २७ दिसम्बरकेँ मुजफ्फरपुरमे रहताह आ पटना घुरि अयताह। शनिदिन २८ दिसम्बरकेँ ओ वैशाली जयताह आ फेर देर राति पटना घुरि अयताह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *