गणतंत्र दिवस, २०२५ केर अवसर पर घोषित होबय बला पद्म पुरस्कार-२०२५ लेल नामांकन/सिफारिश ०१ मई, २०२४ सँ शुरू भऽ गेल अछि। पद्म पुरस्कारक लेल नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि १५ सितंबर, २०२४ अछि। पद्म पुरस्कारक लेल नामांकन/सिफारिश मात्र राष्ट्रीय पुरस्कार पोर्टल https://awards.gov.in पर ऑनलाइन प्राप्त होयत।
गृह मंत्रालय एकटा बयान जारी कए जानकारी देलक। पद्म पुरस्कारक लेल नामांकन १५ सितंबर, २०२४ धरि खुजल अछि। नामांकन/अनुशंसामे पोर्टल पर उपलब्ध प्रारूपमे निर्दिष्ट सभटा प्रासंगिक विवरण होयबाक चाही, जाहिमे वर्णनात्मक रूपमे एकटा उद्धरण (अधिकतम ८०० शब्द) शामिल होयबाक चाही जाहिमे सम्बन्धित क्षेत्र/अनुशासनमे सिफारिशकर्ताक विशिष्ट आ असाधारण उपलब्धि/सेवाक स्पष्ट उल्लेख होयबाक चाही।
एहि संबंधमे विस्तृत विवरण गृह मंत्रालयक वेबसाइट (https://mha.gov.in) पर ‘पुरस्कार और पदक’ शीर्षकक अंतर्गत आ पद्म पुरस्कार पोर्टल (https://padmaawards.gov.in) पर उपलब्ध अछि। एहि पुरस्कार सभसँ संबंधित संविधि (statutes) आ नियम वेबसाइट https://padmaawards.gov.in/AboutAwards.aspx पर उपलब्ध अछि।
जनतब जे, पद्म पुरस्कार अर्थात पद्म विभूषण, पद्म भूषण आ पद्मश्री देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मानमे सँ एक अछि। वर्ष १९५४ मे स्थापित एहि पुरस्कारक घोषणा प्रत्येक वर्ष गणतंत्र दिवसक अवसर पर कयल जाइत अछि। ई पुरस्कार ‘उत्कृष्ट कार्य’ लेल देल जाइत अछि। पद्म पुरस्कार कला, साहित्य आ शिक्षा, खेल, चिकित्सा, समाज सेवा, विज्ञान आ अभियांत्रिकी, लोक मामिला, सिविल सेवा, व्यापार आ उद्योग आदि सभ क्षेत्र/विषयमे विशिष्ट आ असाधारण उपलब्धि/सेवाक लेल देल जाइत अछि। जाति, व्यवसाय, पद वा लिंगक भेदक बिना सभ व्यक्ति एहि पुरस्कारक लेल पात्र छथि। सार्वजनिक क्षेत्रक उपक्रममे काज करयवला लोकसभमे चिकित्सक आ वैज्ञानिककेँ छोड़ि अन्य सरकारी सेवक पद्म पुरस्कारक लेल पात्र नहिं छथि।
गृह मंत्रालयक अनुसार, नागरिक स्वयँकेँ सेहो नामित कऽ सकैत छथि। महिला, समाजक कमजोर वर्ग, अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति, विकलांग व्यक्ति आ समाजक निस्वार्थ सेवा कयनिहार लोकक बीच प्रतिभाशाली व्यक्तिक पहिचान करबाक लेल ठोस प्रयास कयल जा सकैत अछि, जिनकर उत्कृष्टता आ उपलब्धि वास्तवमे पहचानल जाय केर योग्य होय।