बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन एक बेर फेर सार्वजनिक मंचसँ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ आश्वासन देलनि जे आब हमसभ फेर कहियो एम्हर-ओम्हर नहिं जाएब, हम सब एक संग रहब। जखनि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बेर-बेर अपन गलती स्वीकार कऽ रहल छलाह तखन मंच पर बैसल प्रधानमंत्री मोदी मुस्कुरा रहल छलाह।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन भगवान बिरसा मुण्डाक १५०म जयन्तीक अवसर पर आयोजित जनजाति गौरव दिवस समारोहमे भाग लेलनि। एहि अवसर पर ओ ६,६४० करोड़ टाकासँ बेसी लागतक विकास परियोजनाक लोकार्पण आ शिलान्यास कयलनि।
मंच पर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित छलाह। नीतीश कुमार जनताकेँ सम्बोधित करैत प्रधानमंत्री मोदीक स्वागत आ अभिवादन कयलनि। ओ कहलनि, “हमसभ आब सभदिनक लेल हुनकर (भाजपा) संग रहब।
मुख्यमंत्री कहलनि कि हम सब १९९५ सँ एक संग छी, तखनेसँ हम सब मिलि कऽ काज कऽ रहल छी। आब हम सभ पूर्णतः हुनक संग रहब। ओ प्रधानमंत्रीक प्रशंसा करैत कहलनि जे पीएम मोदी पूरा देशक काज कऽ रहल छथि आ बिहारक लेल सेहो बहुत किछु कयलनि अछि। ओ जतय जाइत छथि, आर किछु करबा दैत छथि। हुनकर स्वागत अछि, अभिनंदन अछि।”
उल्लेखनीय अछि जे नीतीश कुमारक पार्टी जेडीयू राजगमे अयबासँ पहिने महागठबंधनक संग गेल छल। एनडीएमे वापस अयलाक बाद नीतीश कुमार सार्वजनिक मंचसँ कतेको बेर कहि चुकल छथि जे आब हुनकर पार्टी कहियो महागठबंधनक संग नहिं जायत।