रेलवे सीतामढ़ी आ दरभंगा होइत रक्सौल आ जयनगरक बीच नव ट्रेन सेवा शुरू करबाक घोषणा कयलक अछि। अधिसूचना जारी कए देल गेल अछि। आब सीतामढ़ी-पुपरीसँ जयनगर धरि सोझे जा सकैत छी।
नव रक्सौल-जयनगर ट्रेन २६ जनवरीसँ नियमित रूपसँ चलत। जनकपुर रोडक निवासी डॉ. अमित कुमार एहि ट्रेनक संचालनमे महत्वपूर्ण योगदान देने छथि। सीतामढ़ी-रक्सौलसँ जयनगर लेल नव ट्रेन सेवा २६ जनवरीसँ शुरू होयत, आ एकर उद्घाटन २५ जनवरीकेँ होयत।
एक सालसँ रुकल रक्सौल-जयनगर ट्रेनकेँ चालू करबामे सफल रहल छथि। ओ ३१ दिसंबर, २०२४ केँ रेल मंत्रीकेँ ईमेल कयलनि आ फोन पर रेलवे बोर्डक निदेशकसँ अनुरोध सेहो कयलनि। डॉ. अमित कुमारक आग्रह पर २६ जनवरीसँ नियमित रूपसँ सीतामढ़ी, पुपरी आ दरभंगा होइत रक्सौलसँ जयनगर धरि नव ट्रेन ७५२१५/६ चलयबाक निर्णय लेल गेल अछि। डॉ. अमित सीतामढ़ी, दरभंगा, मधुबनी, आ चंपारणक जनताकेँ तरफसँ प्रधानमंत्री मोदी, रेल मंत्री, आ रेलवे बोर्डक निदेशककेँ हार्दिक धन्यवाद व्यक्त कयलथि अछि, कियैकि एहि ट्रेनक मांग करय वला यात्री आ स्थानीय लोकमे खुशीक लहर अछि।
ई ट्रेन १०:२० बजे रक्सौल पहुँचत। एकर अतिरिक्त, ट्रेन घोड़ासाहन, बैरगनिया, सीतामढ़ी, जनकपुर रोड, दरभंगा, सकरी, पांडौल, मधुबनी, राजनगर, आ जयनगरमे रुकत। ई ट्रेन जयनगर भोर ३:१० बजे पहुँचत आ ३:३५ बजे प्रस्थान करत। इ ट्रेन रोज चलत। जानकारीक अनुसार ई २६ जनवरीसँ नियमित रूपसँ संचालित होयत। एकर उद्घाटन २५ जनवरी कs होएत। दोसर दिसि एहि ट्रेनक कारण १५५२८ जयनगर इंटरसिटी एक्सप्रेस भोर ४:१० बजेक बदला भोर ३:५५ बजे जयनगर पहुँचत। वर्तमानमे दुनू ट्रेनक समय-सारणीमे बदलाव उद्घाटनक बाद कयल जायत।