धर्म-संस्कृति

मिथिलाक पिपराघाटक पांच दिवसीय कार्तिक पूर्णिमा मेला होएत १४ नवंबरसँ शुरू, स्नान १५ केँ

मधुबनी समदिया
*

मिथिलाक त्रिवेणीमे मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंडक पिपराघाटमे १४ नवंबर सँ पांच दिवसीय कार्तिक पूर्णिमा मेला शुरू होमय जा रहल अछि। पिपराघाटमे कमला, बलान आ सोन नदीक संगमकेँ मिथिलाक त्रिवेणी कहल जाइत अछि।

एहि साल कार्तिक पूर्णिमा मेला १४ नवम्बरसँ शुरू होयत आ १८ नवम्बरकेँ समाप्त होयत।

एहि सिलसिलामे बाबूबरहीक बीडीओ राधा रमण मुरारी कहलनि जे मेलाक तैयारीक संबंधमे जिला प्रशासन आ मेला समितिक कतेको बेर बैसार भेल अछि। तैयारी आब अपन अंतिम चरणमे अछि, मेला शांतिपूर्वक समाप्त होयत। बीडीओ राधा रमण मुरारी कहलनि जे पाँच दिवसीय कार्तिक पूर्णिमा मेलाक तैयारीक सम्बन्धमे सोमदिन पिपराघाटमे समीक्षा बैसार भेल छल। जाहिमे बाबूबरही थानाध्यक्ष चंद्रमणि सहित मेला समितिक सदस्य आ स्थानीय ग्रामीण उपस्थित छलथि।

बैसारक बाद समितिक सदस्यक संग पदाधिकारी आ प्रशासन मेला परिक्षेत्रक भ्रमण कयलनि। एहि क्रममे तीन ठाम वाच टावर आ तीन ठाम नियंत्रण कक्ष बनेबाक निर्णय लेल गेल। राधा रमण मुरारी कहलनि जे स्वच्छ भारत मिशन अभियानक अन्तर्गत स्वच्छता अभियान संचालित कयल जायत आ तीन ठाम जैविक खाद बिक्री आ प्रचार केन्द्र स्थापित कयल जायत। कोषाध्यक्ष मदन लाल कर्ण कहलनि, जे मेलामे अफवाह उड़ेताह वा गतिरोध उत्पन्न करताह हुनका पर बारीकीसँ निगरानी राखल जायत।

महादेव मन्दिरक लग बैरिकेड लगा कऽ रास्ता बनेबाक चर्चा छल। संगहि नवनिर्मित कमला पुल लग माटि जमा होयबाक कारण दोकान स्थापित करबामे आबि रहल कठिनाईकेँ देखैत निर्माण कम्पनीक परियोजना प्रबंधककेँ आवश्यक निर्देश देल गेल। जनतब जे मूर्ति आ पंडाल निर्माणक काज एखनि अंतिम चरणमे अछि। मेलाक उद्घाटन १४ नवम्बरकेँ होयत, जखन कि १५ नवम्बरकेँ कमला, बलान आ सोन नदीक त्रिवेणी संगममे लाखों श्रद्धालु स्नान करत। मेलाक समापन १८ नवम्बरकेँ मूर्ति विसर्जनक सङ्ग होयत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *