कृषि

खेती आ किसानीकेँ खुशहाल बनायब प्रधानमंत्री मोदीक विजन : शिवराज सिंह चौहान

बोकारो
*

केन्द्रीय कृषि मंत्री आ झारखंड विधानसभाक चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्वमे केन्द्र सरकार देशमे किसान आ खेतीक उन्नयन लेल बहुत गम्भीर अछि।
ओ कहलनि जे हमर सरकार कृषि आ किसान सभकेँ खुश करबाक दिशामे अपन डेग बढ़ौलक अछि। हमर सरकार खेत आ किसान सभकेँ समृद्ध बनेबाक लेल छओ मूल मंत्र पर काज कऽ रहल अछि। हमर पहिल उद्देश्य कृषि उपज बढ़ायब, दोसर कृषि उपजक लागत कम करब, तेसर किसान सभकेँ हुनक उपजक उचित दाम देब, चारिम फसलक उपज बढ़ायब आ खेतीक नोकसानक भरपाई करब आ प्राकृतिक खेतीकेँ बढ़ावा देनाइ अछि। ई सभ डेग उठाबय पड़त जाहिसँ किसानक स्थितिमे सुधारक सङ्ग-सङ्ग कृषिक उन्नयन कयल जा सकय।

‘झारखंड किधर’ गोष्ठीमे भाग लेबाक लेल बोकारो आयल केन्द्रीय कृषि मंत्री शिवराज सिंह चौहान बाबा बैद्यनाथ मन्दिरमे पूजा-अर्चना करबाक लेल सेहो गेलाह।

ओतहि झारखंड मुक्ति मोर्चाक वरिष्ठ नेता आ राज्यक पूर्व मुख्यमंत्री चंपई सोरेन भाजपामे शामिल भऽ गेल छथि। केन्द्रीय कृषि मंत्री आ झारखंड भाजपा चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान, चुनाव सह-प्रभारी आ असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा आ झारखंड प्रदेश भाजपा अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी हुनका पार्टीमे स्वागत करैत पार्टीक सदस्यता ग्रहण करबेलनि।
एहिसँ पहिने चंपई सोरेन कहने छलाह जे ओ झारखण्डक पुनर्निर्माणक संकल्पक संग भारतीय जनता पार्टीमे आयल छथि।

जनसभाकेँ सम्बोधित करैत शिवराज सिंह चौहान कहलनि जे चंपई सोरेन ओहि नेतासभमे शामिल छथि जिनकर संघर्षक कारण अलग झारखण्डक निर्माण भेल। झारखंड मुक्ति मोर्चा एहन नेताकेँ अपमानित करबाक काज कयलक अछि। आब ओ भारतीय जनता पार्टीक संग छथि आ नव झारखण्डक निर्माणक संकल्पक संग आयल छथि।

एहिसँ पहिने २८ अगस्तक राति ओ प्राथमिक सदस्यता आ पार्टीक सभ पदसँ इस्तीफा दऽ देलनि। त्यागपत्रमे पार्टी अध्यक्ष शिबू सोरेनसँ अपन पीड़ा व्यक्त करैत ओ लिखलनि, “ई कहब बहुत दुखद अछि जे अहाँक मार्गदर्शनमे जाहि पार्टीक सपना हमरे सन कार्यकर्ता सभ देखलनि, आ जाहि लेल हम जंगल, पहाड़ आ गामक खोज कयने रही, आइ पार्टी ओहि दिशासँ भटकि गेल अछि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *