आम आदमी पार्टी (आप)क राष्ट्रीय संयोजक अरविन्द केजरीवाल सोमदिन ‘महिला सम्मान योजना’ आ ‘संजीवनी योजना’क शुभारंभ कयलनि। संगहि हुनका लोकनिक लेल पंजीकरण शुरू भऽ गेल अछि आ एकर कार्ड सेहो भेटि गेल अछि।
‘महिला सम्मान योजना’क अन्तर्गत दिल्लीक प्रत्येक महिलाकेँ प्रति माह २,१०० रुपैया भेटत। ‘संजीवनी योजना’क अन्तर्गत दिल्लीक बुजुर्गकेँ सभ निजी आ सरकारी अस्पतालमे निःशुल्क उपचार भेटत जाहिपर कोनो सीमा नहि होयत। एहि अवसर पर केजरीवाल कहलनि, “हम पूर्वमे अपन गारंटी पूरा कऽ चुकल छी आ जकरा सेहो पूरा करब।”
केजरीवाल कहलनि जे पीत कार्ड महिला सभक लेल अछि आ हुनका ‘महिला सम्मान योजना’क अन्तर्गत २,१०० रुपैया भेटत। भाजपा झूठ बाजि रहल अछि, गुमराह कए रहल अछि। २०१५ मे जखनि हम कहने छलहुं जे जँ हमर सरकार सत्तामे आबि जाएत तऽ हम बिजली मुफ्त करब, तखनि भाजपाक लोक ओहि समय इहे बात कहैत छलाह आ हम बिजली मुक्त करा देलहुं। दिल्लीक पूर्व मुख्यमंत्री कहलनि जे ओ महिला सभक लेल पानि आ बसक किराया सेहो मुफ्त कऽ देने छथि।तहिना ओ महिला सभकेँ २,१०० रुपया सेहो देताह। ओ कहलनि जे बजट कतहुसँ आनब हुनकर जिम्मेदारी अछि।
दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल शनिदिन चुनावसँ पहिने ‘महिला सम्मान योजना’क लाभ भेटबाक सम्भावनासँ इनकार कयलनि। ओ कहलनि जे भाजपाक चुनाव लड़बाक कोनो एजेंडा नहि अछि, कोनो योजना नहि अछि। हुनका दिल्लीक जनताकेँ बताबय केर चाही जे भाजपा पिछला पांच सालमे दिल्लीक लेल की कयलक।
ओ कहलनि “दिल्लीमे दूटा सरकार अछि। आधा सरकार आम आदमी पार्टीक अछि। आधा सरकार भाजपाक अछि। आम आदमी पार्टी सरकार बिजली, पानि, महिला यात्रा, सड़क, सीवर पर बहुत काज कयलक अछि। मुदा भाजपा कोन काज कयलक ? पूरा दिल्लीक कानून-व्यवस्था ध्वस्त भS गेल अछि, गैंगस्टर स्वतंत्र रूपसँ घूमि रहल अछि, गोली चलाओल जा रहल अछि। दिल्लीमे मात्र एकटा काज देने छलौंह, ओहो नहिं कयलनि।”
ओ सवाल उठौलनि जे की गारिसँ दिल्लीक विकास भऽ सकैत अछि। ओ लोकसभसँ कहलनि, “आइ हम अहाँसँ वोट मांगय लेल आयल छी। अपन काजक नाम पर हम मांगि रहल छी जे हम पाँच सालमे कोन काज कयलहुँ। हम गिनती कए रहल छी जे हम अगिला पांच सालमे की करब। हुनका लग नहिं तऽ मुख्यमंत्रीक चेहरा अछि आ ने दिल्लीक लेल हुनका लग कोनो एजेंडा अछि।”