यातायात

महाकुंभ लेल अश्विनी वैष्णव रेल व्यवस्थाक जायजा लैत कहलनि अयोध्या, प्रयागराज लेल चलत रिंग रेल

वाराणसी
*

केन्द्रीय रेल मंत्री अश्विनी वैष्णव रविदिन वाराणसीक दौरा कयलनि। ओ महाकुम्भक लेल रेलवेक तैयारीक जायजा लेबाक लेल अयलाह। अयोध्या आ प्रयागराज जायवला भक्तलोकनिक लेल रिंग रेलक व्यवस्था कयल गेल अछि।
रेल मंत्री अश्विनी वैष्णव रविदिन संवाददाता सभकेँ कहलनि जे पवित्र महाकुम्भ हमर संस्कृतिक एकटा पैघ धरोहर अछि। ई हमर संस्कृतिक एकटा पैघ पाबनि अछि। महाकुंभकेँ देखैत रेलवे द्वारा विस्तृत तैयारी कयल गेल अछि, हम आइ ओहि तैयारीक जायजा लेब। पिछला तीन सालसँ तैयारी चलि रहल अछि। कतेको नव ब्रिज वेटिंग एरिया , डबलिंग केर काज, स्टेशनक सुसज्जितकरण, स्टेशनक सभ काज पूरा भऽ चुकल अछि।

मंत्री कहलनि जे एहि बेर चारिटा पैघ स्नानक दिन अछि। चारि दिन देशभरिसँ पैघ संख्यामे श्रद्धालु अयताह। हुनका सभक लेल नीक व्यवस्था कएल गेल अछि। एहि बेर अयोध्या आ प्रयागराजसँ रिंग रेलक व्यवस्था कयल गेल अछि। चारिटा रिंग रेलक व्यवस्था कएल गेल अछि। बहुत पैघ होल्डिंग क्षेत्र बनाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे कुम्भक ४५ दिनमे कुल १३,००० सर्विसेज चलत।

उल्लेखनीय अछि जे महाकुम्भक सम्बन्धमे केन्द्र आ राज्य सरकार सक्रिय मोडमे अछि। केंद्र सरकार राज्यमे विशेष अनुदान सेहो देलक अछि जाहिसँ श्रद्धालुकेँ कोनो समस्या नहि होए आ हुनका सब सुविधा भेटय। रेल मंत्री अश्विनी वैष्णव रविदिन रेलवे सुविधाक निरीक्षण करबाक लेल वाराणसी पहुँचलाह। कैबिनेट मंत्री वैष्णव वाराणसीसँ प्रयागराज तकक दूरी ट्रेनसँ तय करताह। एहि दौरान ओ बनारस स्टेशनसँ झुसी तक रेल मार्गक निरीक्षण करताह आ कुंभक तैयारीक जायजा लेताह।
केन्द्रीय रेल मंत्रीक यात्रासँ पहिने रेलवे बोर्डक अध्यक्ष (सीआरबी) देर राति वाराणसी जंक्शन पहुँचलाह। ओ व्यवस्थाक जायजा लेलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *