आनंद मोहनक पत्नी लवली आनन्द सोमदिन मिथिला क्षेत्रीय बिहारक शिवहर लोकसभा सीटसँ अपन नामांकन पत्र दाखिल कयलनि। लवली आनन्दकेँ जेडीयू शिवहरसँ टिकट देलक अछि। जखन लवली आनन्द नामांकन पत्र दाखिल करबाक लेल पहुँचलीह तखन हुनका सङ्ग बेटा अंशुमान आ बेटी सुरभि आनन्द सेहो छलथि। एहि दौरान हुनका सङ्ग पैघ संख्यामे समर्थक सेहो छल। नामांकन पत्र भरलाक बाद लवली आनंद राजद पर जोरदार निशाना साधलनि। एकटा मीडिया चैनलसँ बातचीत करैत ओ कहलनि जे तेजस्वी यादव नौकरीक मुद्दा मात्र प्रदर्शनक लेल बना रहल छथि। राजद मात्र जातिक राजनीति करैत अछि, मुदा जनता एखन धरि जंगलराज नहिं बिसरल अछि।
आगू ओ कहलनि “आनंद मोहन पिछला किछु चुनावसँ जेलमे छलाह। एहि दौरान समर्थककेँ पूरा समर्थन भेटल। एहि चुनावमे आनन्द मोहन सेहो बाहर छथि आ सङ्ग छथि। इ बहूत ताकत देत। लवली आनन्द आगू कहलनि जे ई चुनाव प्रधानमंत्री चुनबाक लेल अछि आ हमरासभकेँ नरेन्द्र मोदीकेँ फेरसँ प्रधानमन्त्री बनयबाक अछि। हम चुनाव मजबूतीसँ लड़ि रहल छी आ विकासक मुद्दा पर चुनाव लड़ब। हमरा लेल इंडिया गठबंधन कोनो चुनौती नहिं अछि। एनडीए लोकसभा चुनावमे ४०० सँ बेसी सीट आ बिहारक ४० मेसँ ४० सीट जीतत।
बतबैत चली जे शिवहरमे रोचक मुकाबला देखल जा सकैछ। शिवहरमे एनडीए आ महागठबंधन द्वारा दुनू महिला उम्मीदवार उतारल गेल अछि। जतय लवली आनंद राजगकेँ तरफसँ छथि, ओतहि राजद उम्मीदवार रितु जायसवाल महागठबंधनक तरफसँ चुनावी मैदानमे छथि। लवली आनन्द राजपूत समुदायक छथि आ रितु जायसवाल वैश्य समुदायक छथि। छठम चरणक मतदान शिवहरमे होबयवला अछि। २५ मईकेँ बिहारमे कुल ८ लोकसभा सीट पर मतदान होएत।
सोमदिन लोजपा (राम विलास) उम्मीदवार वीणा देवी वैशाली लोकसभा सीटसँ अपन नामांकन दाखिल कयलनि, जखन कि राजद उम्मीदवार विजय कुमार शुक्ला उर्फ मुन्ना शुक्ला मंगल दिन इंडी गठबंधन केर तरफसँ एहि सीटसँ अपन नामांकन दाखिल करताह।