अपराध

मिथिला क्षेत्रमे लव जिहादक मामिला, जियारूल झांसा दऽ शंकर यादव बनि कयलक सातम वियाह, गिरफ्तार

पूर्णियां
*

एकटा पुरुष राजमिस्त्री बनि महिलाक घर काज करय गेल आ महिलाकेँ प्रेमक जालमे फँसा लेलक आ विवाहक प्रस्ताव देलक। महिलाक परिवारक सदस्य सेहो एहि विवाहक लेल सहमत भऽ गेलाह। विवाहक किछु समयक बाद जखनि ओ महिला अपन ससुराल गेलीह तखन ओतय अपन पतिक वास्तविकता देखि चौंक गेलीह।

हाथमे कलावा, गर्दनमे भगवा गमछा, माथा पर टीका आ नाम मोहम्मद जियारुल। मिथिला क्षेत्रीय बिहारक पूर्णियासँ लव जिहादक एहने एकटा मामिला सामने आयल अछि। हिन्दू बनि एकटा विधवाकेँ प्रेमजालमे फँसा कऽ ओकरासँ विवाह कयलाक बाद जबरदस्ती ओकर धर्म परिवर्तित करबाक प्रयास कयल गेल। हिन्दू संगठनक लोककेँ एहि बातक पता चलल, तखनि हिन्दू सङ्गठनसभ युवककेँ गम्भीर रूपसँ पीटलक आ पुलिसकेँ सौंपि देलक। पुलिस आरोपी लगसँ दूटा आधार कार्ड बरामद कयलक अछि। संगहि, पुलिसक पूछताछमे चौंकाबय वाला खुलासा सभ भेल अछि। युवक पहिनेसँ विवाहित अछि आ ई ओकर सातम विवाह छल।

एहि घटनाक संबंधमे सदर थाना गुलाबबाग पुरान सिनेमा हॉल लग रहनिहार पीड़िता कहलनि जे हुनकर विवाह १० साल पहिने भेल छल, मुदा कोरोना कालमे हुनक पतिक मृत्यु भऽ गेलनि।

शंकर यादव नामक एकटा राजमिस्त्री हुनक घरमे काज करय लेल आयल। राजमिस्त्री हुनका प्रेमक जालमे फँसा लेलक आ अपना सँग वियाहक प्रस्ताव देलक। पीड़ित परिवारक सदस्य सेहो २ टा छोट बच्चाकेँ विचार करैत विवाहक अनुमति देलनि। एकर बाद दुनूक विवाह ५ मास पहिने मेला ग्राउंड शिव मन्दिरमे भेल छल।

पीड़िता कहलक जे दू मासक बाद जखन शंकर यादव हुनका बरसोनीक तमोट घर लऽ गेलाह तखनि घरक सभ लोककेँ मुस्लिम कपड़ा पहिरने देखि ओ स्तब्ध भऽ गेलीह। एकर बाद हुनका पता चलल जे शंकर यादव, जिनकासँ ओ विवाह कऽ चुकल छथि, वास्तवमे मोहम्मद जियारुल अछि। महिला कहलनि जे युवकक परिवारक सदस्य चुपचाप ओकरा सङ्ग रहबाक लेल दबाव देबय लागल आ ओकरा एकटा आपत्तिजनक वस्तु खुआबय केर कोशिश कयलक।

किछु दिनक बाद ओ महिला ओतयसँ भागि घर आबि परिवारकेँ पूरा बात बतओलनि। मुदा परिवारक सदस्य सार्वजनिक लाजक कारण ककरो किछु कहबासँ मना कऽ देलनि। एकर बाद मोहम्मद जियारुलक साहस बढ़ि गेल। ओ महिलाक घर आबि मारि-पीट करय लागल आ साथ चलय लेल जबरदस्ती करय लागल।

ओतहि जखनि पड़ोसीकेँ एहि बातक पता चलल, तखनि लोकसभ लगमे चलि रहल आरएसएस शाखामे शामिल लोकसभकेँ सूचित कयलनि। एकर बाद हिन्दू संगठन सभ मिलि कऽ युवककेँ खुब पीटलक। घटनाक सूचना भेटलापर सदर थाना घटनास्थल पर पहुँचल आ युवककेँ हिरासतमे लऽ लेलक। सदर थानाक प्रभारी पूर्णिमा कुमारी कहलनि जे युवक लगसँ शंकर यादव आ मोहम्मद जियारुल नामक दूटा आधार कार्ड बरामद कयल गेल अछि। पूछताछमे युवक एखन धरि चारिटा विवाहक बात स्वीकार कऽ चुकल अछि। ओ कहलक अछि जे ओ दूटा पत्नीकेँ तलाक दऽ चुकल अछि।

पूर्णियाक एसपी कार्तिकेय शर्मा कहलनि जे महिला थानामे शिकायत दर्ज करौलक अछि जकर आधार पर मामिला सही पाओल गेल अछि। एकर बाद युवककेँ गिरफ्तार कए जेल भेजि देल गेल अछि। युवक कतय फर्जी आधार कार्ड बनौलक अछि एकर जाँच चलि रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *