अभिनेता आ भाजपा उम्मीदवार सुरेश गोपी केरलक त्रिशूर लोकसभा सीटपर पैघ जीत हासिल कयलनि। एहिसँ इतिहासमे पहिल बेर भाजपा केरलमे अपन खाता खोललक अछि।
अभिनेता आ भाजपा उम्मीदवार सुरेश गोपी केरलक त्रिशूर लोकसभा सीटसँ जीत दर्ज कयलनि। एहिसँ इतिहासमे पहिल बेर भाजपा केरलमे अपन खाता खोललक अछि। एहि चुनावमे सुरेश गोपी अपन निकटतम प्रतिद्वंद्वी भाकपाक वी.एस. सुनील कुमारकेँ ७५०७९ मतसँ पराजित कयलनि। चुनाव आयोगक वेबसाइटक अनुसार सुरेश गोपीकेँ ४,०९,२३९ वोट भेटलनि, जखन कि सुनील कुमारकेँ ३,३१,५३८ वोट भेटलनि। कांग्रेसक उम्मीदवार मुरलीधरन ३,२२,९९५ मतक सङ्ग तेसर स्थान पर रहलाह।
त्रिशूर लोकसभा सीटपर सुरेश गोपीक ई जीत भाजपाक लेल बहुत महत्वपूर्ण अछि। त्रिशूर ओहि सीटमेसँ एक अछि जाहि पर भाजपा एहि चुनावमे अपन ध्यान केन्द्रित कयने छल। एहि लोकसभा चुनावसँ पहिने सुरेश गोपी २०१९ केर लोकसभा चुनाव आ फेर २०२१ केर राज्य विधानसभा चुनावमे त्रिशूरसँ हारि गेल छलाह।
सुरेश गोपी लोकसभा चुनाव २०२४ मे केरलक त्रिशूर लोकसभा सीटसँ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क उम्मीदवार आ आब सांसद छथि। ६५ वर्षीय गोपीक जन्म अलप्पुझामे भेल छल। हुनकर तीनटा छोट भाइ छथि – सुभाष गोपी, सुनील गोपी आ सनिल गोपी। कोल्लममे अपन प्राथमिक शिक्षा पूरा कयलाक बाद सुरेश गोपी प्राणी विज्ञानमे B.Sc आ अङ्ग्रेजी साहित्यमे एम.ए.क उपाधि प्राप्त कयलनि।
सुरेश गोपी १९६५ मे बचपनमे अपन अभिनय जीवनक प्रारम्भ कयलनि। सुरेश गोपी मणिचित्राथाझू, ए नॉर्दर्न स्टोरी ऑफ वेलोर आ ओरु सीबीआई डायरी कुरिप्पू सहित कतेको लोकप्रिय चलचित्रमे अभिनय कयने छथि। हुनक चुनावी शपथपत्रक अनुसार, हुनक पेशा सिनेमा कलाकारक रूपमे सूचीबद्ध अछि। हुनकर कुल घोषित संपत्ति १८.६ करोड़ रुपैया अछि, जाहिमे ८.९ करोड़ टाका चल संपत्ति आ ९.७ करोड़ टाका अचल संपत्ति सम्मिलित अछि। हुनकर कुल घोषित आय ४.६ करोड़ रुपैया अछि, जाहिमे ४.४ करोड़ रुपैया स्व-आय अछि। सुरेश गोपी पर कुल १३ करोड़ टाकाक देनदारी अछि।