महाकुंभकेँ ध्यानमे रखैत सरकार पटना आ प्रयागराजक बीच कतेको विशेष ट्रेन चलाबय केर फैसला लेलक अछि। यात्रीक माँगक आधार पर कतेको विशेष ट्रेनकेँ फेरसँ शुरू कयल गेल अछि।
महाकुम्भ २०२५ अगिला मास उत्तर प्रदेशक प्रयागराजमे शुरू होयत। दुनियाक सबसँ पैघ मेलामे लाखो लोकक भाग लेबाक अपेक्षा अछि। लगभग एक मास धरि चलयवला एहि मेलामे पैघ संख्यामे श्रद्धालु अबैत छथि आ हुनक सुविधाक लेल सरकार सैकड़ो विशेष ट्रेन चलयबाक निर्णय लेने अछि। एहिमे पटना आ प्रयागराजक बीच १२टा विशेष ट्रेन चलत। बिहारसँ आबयवला लोकक लेल एहि ट्रेनसभमे टिकट प्राप्त करब आसान होयत। एहि विशेष ट्रेनक परिचालन १० जनवरीसँ शुरू होयत। भारतीय रेलवे पटना आ प्रयागराजक बीच कुम्भ विशेष ट्रेन चलयबाक निर्णय लेलक अछि। एम्हर बिहारक आन भागसँ लोककेँ पटना आनबाक लेल आर ट्रेन चलायल जा रहल अछि।
एना अछि टाइम टेबल :
03219 पटना-प्रयागराज जंक्शन कुंभ मेला स्पेशल ट्रेन 10, 11, 17, 18, 25, 26, 27 जनवरी आ 08, 09, 10, 16, 17, 18, 22, 24, 25, 27 एवं 28 फरवरीकेँ चलत। ओतहि, इएह ट्रेन वापसीमे 03220 प्रयागराज जंक्शन-पटना कुंभ मेला स्पेशल ट्रेनक नामसँ संचालित होएत। ई गाड़ी 10, 11, 17, 18, 25, 26, 27 जनवरी आ 08, 09, 10, 16, 17, 18, 22, 24, 25, 27 व 28 फरवरीकेँ चलत। 03689 गया-प्रयागराज जंक्शन कुंभ मेला स्पेशल ट्रेन 10, 11, 17, 18, 25, 26, 27 जनवरी आ 08, 09, 10, 16, 17, 18, 22, 24, 25, 27 व 28 फरवरीकेँ चलत। इ ट्रेन वापसीमे 03690 प्रयागराज जंक्शन-गया कुंभ मेला स्पेशल ट्रेनक नामसँ संचालित होएत। ई गाड़ी 10, 11, 17, 18, 25, 26, 27 जनवरी आ 08, 09, 10, 16, 17, 18, 22, 24, 25, 27 एवं 28 फरवरीकेँ चलत।
संगहि भारतीय रेलवे कतेको स्पेशल ट्रेन दोबारा शुरू करय केर फैसला कयलक अछि। यात्री सभक तरफसँ एहि ट्रेन सभकेँ शुरू करय केर मांग कयल जा रहल अछि। एहिमे पटना-राजगीर, पटना-किऊल, पटना-गया ट्रेन शामिल अछि। एहि ट्रेन सभकेँ किछु समय पहिने रद्द कऽ देल गेल छल, मुदा अब दोबारा शुरू कयल जा रहल अछि। मध्य पूर्व रेलवे केर मुख्य जनसंपर्क अधिकारी सरस्वती चंद्र कहलनि कि 03201 राजगीर-पटना स्पेशल, 03202 पटना-राजगीर स्पेशल, 03206 पटना-किऊल स्पेशल, 03205 किऊल-पटना स्पेशल, 03656 गया-पटना स्पेशल, 03655 पटना-गया स्पेशल ट्रेनकेँ दोबारा शुरू करय केर फैसला कयलक अछि। एकर संगहि 03668 गया-पटना स्पेशल आ 03667 पटना-गया स्पेशल ट्रेनकेँ 21, 23 आ 24 दिसंबरकेँ चलाओल जाएत।