केन्द्रीय मंत्री आ बेगूसरायसँ नवनिर्वाचित सांसद गिरिराज सिंह केन्द्रीय मंत्री बनलाक बाद आइ पटना पहुँचलाह। हवाई अड्डा पर पार्टी कार्यकर्ता लोकनि हुनक जोरदार स्वागत कयलनि। राष्ट्रीय जनता दल नेता तेजस्वी यादव पर कटाक्ष करैत ओ कहलनि, जिनका जनता व्हील चेयर पर बैसा झुनझुना पकड़ा देलक, वैऽह आइ बाजि रहल अछि। केन्द्रीय मंत्री अपन कार्यकर्ता सभसँ कहलनि जे राज्य आ केन्द्र सरकार मिलिकऽ बिहारक विकास करत।
पटना पहुँचला पर संवाददाता सभसँ बातचीत करैत सिंह विरोधीसभकेँ निशाना बनबैत कहलनि जे हुनका सभकेँ जनता झुनझुना देखा देलक अछि।
केंद्रीय मंत्री कहलनि, “प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी द्वारा देल आठ गोट मंत्रीक सहयोगसँ बिहारकेँ नव ऊँचाइ पर लऽ जाएब। राज्य आ केन्द्र सरकार किसान, मजदूर आ बुनकरक विकासक लेल मिलिकऽ काज करत। इएह लक्ष्य अछि।” ओ एहि लेल जनताकेँ बधाई देलनि।
नेता प्रतिपक्ष तेजस्वीक बयान पर प्रतिक्रिया दैत केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कहलनि कि अपराधीक कोनो जाति नहिं होइत छैक। टेक्सटाइल विभाग मंत्री गिरिराज सिंह विपक्षक ई बयान जे अधिक दिन तक सरकार नहिं चलत, पर कटाक्ष करैत कहलनि, जनता जकरा व्हील चेयर पर बैसा झुनझुना पकड़ा देलक, वैऽह आइ बाजि रहल अछि। भाजपाक ‘फायर ब्रांड’ नेता मानल जायवला गिरिराज सिंह हालेमे भेल लोकसभा चुनावमे बेगूसरायसँ चुनाव जीतलनि।
बतबैत चली जे हालमे बनल एनडीए सरकारमे जखन विभागक बंटवारा भेल छल तखन तेजस्वी यादव कहने छलाह जे भारतीय जनता पार्टी सभ महत्वपूर्ण विभाग अपना लग रखलक आ सहयोगी दलकेँ झुनझुना पकड़ा देलक। तेजस्वीक एही बयान पर गिरिराज सिंह पलटवार कयलनि आ कहलनि कि जनता हुनका व्हील चेयर पर बैसा झुनझुना पकड़ा देलक अछि।