जिलाक सौर बाजार प्रखंडक अंतर्गत सहुरिया गाममे विकासक लेल एकटा नव किरणक जन्म भेल। जीविका दीदी पूजा कुमारी उत्तर बिहार ग्रामीण बैंकक सीएसपी शाखाक उद्घाटन कय ग्रामीण आत्मनिर्भरताक दिशामे एकटा नव अध्याय जोड़लनि अछि, जे आब क्षेत्र में ‘जीविका दीदी बैंक सखी’ केर नामसँ जानल जायत। ओ अपन प्रयाससँ अपना केर सशक्त तऽ बनौने छथि बल्कि क्षेत्रक अन्य महिला केर लेल सेहो प्रेरणाक स्रोत बनि गेल छथि। एहि पहलसँ एकटा नव ऊर्जा आ उत्साहक क्षेत्रमे संचार भऽ गेल अछि। बैंक सखी पूजा कुमारी आब ग्रामीण समुदायक बैंकिंग सेवा प्रदान करत आ डिजिटल लेनदेनक महत्वक बारेमे जागरूकता पसारत। एहि सीएसपीक माध्यमसँ खाली जीविका दीदीक खाता नहिं खोलल जाएत अपितु ग्रामीण समुदाय सेहो खाता खोलबामे सक्षम हेताह। एकर संग-संग ग्रामीण समुदायकेँ आसान लोनक सुविधा सेहो उपलब्ध कराओल जायत। जाहिसँ हुनकर छोट आ पैघ आर्थिक जरूरत पूरा करबामे मदद भेटत आ ग्रामीण क्षेत्रक महिलाककेँ बैंकिंग सेवाक पहुंच भेटत। एहि समस्याक समाधान लेल जीविकाक माध्यमसँ हर ग्राम पंचायतमे सीएसपी शाखा खोलबाक योजना बनल अछि।
आइ सहूरियामे खुलल इ सीएसपी शाखा एहि योजनाक हिस्सा अछि। जकर उद्देश्य बैंक सखी पूजा कुमारीक नेतृत्वमे बैंकिंग सेवाक लोकक लेल सुलभ आ सरल बनाओल जाएत। एकर तहत खाताधारक अपन खाता खोलि पैसा जमा कय सकैत छथि। बैलेंस चेक कय सकैत छै।, फंड ट्रांसफर कय सकैत छथि। आर अन्य बैंकिंग सेवाक लाभ उठा सकैत छथि। एकर अलावा बैंक सखी लोककेँ विभिन्न सेवाक लाभ उठाबय केर मौका देत।
डिजिटल लेनदेनके तरीका, जेना यूपीआई, नेट बैंकिंग, आ मोबाइल बैंकिंग, ताकि ओ आधुनिक वित्तीय साधनक उपयोग कय सकैत अछि। ग्रामीण समुदायमे डिजिटल लेनदेन सुविधाक विस्तारसँ नहिं केवल समय आ पैसाक बचत होयत, बल्कि सुरक्षा आ पारदर्शितामे सेहो वृद्धि होयत। बैंक सखी ज्योति खुशीकेँ मानब छनि जे एहि पहलसँ क्षेत्रमे वित्तीय समावेशक बढ़ावा भेटत, जाहिसँ समाजक सब वर्गकेँ बैंकिंग सेवा केर लाभ भेटत। आजुक कार्यक्रममे निशा कुमारी सामुदायिक समन्वयक, उत्तर बिहार ग्रामीण बैंक, सौर बाजार शाखा प्रबंधक आ सैकड़ों जीविका दीदी उपस्थित रहलीह।