राजनीति

जदयू नेता संजय झा’क विपक्ष पर प्रहार

पटना
*

इंडिया एलायंसक बैसारकेँ लऽ कऽ विपक्षी दलपर निशाना साधैत संजय झा कहलनि जे कांग्रेस आ अन्य दल जातिगत जनगणना सन महत्वपूर्ण मुद्दा पर कहियो सक्रियता नहि देखौलक।

जदयू केर कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा रवि दिन (२२ दिसंबर) इंडिया गठबंधन पर प्रहार कयलनि। संगहि ओ कांग्रेस पर आरोप लगओलनि अछि जे ओ मात्र अम्बेडकरक नाम पर राजनीति कऽ रहल अछि। ओ नीतीश कुमारक नेतृत्व, राजगक रणनीति, विपक्षी दलक रवैया आ बिहारक विकास कार्यक चर्चा कयलनि। संगहि ओ कांग्रेस पर जोर-शोरसँ निशाना साधलनि।

संजय झा स्पष्ट कयलनि जे २०२५ मे सेहो एनडीए सरकार नीतीश कुमारक नेतृत्वमे चुनाव लड़त। ओ कहलनि “बिहारमे नीतीशे कुमारक नेतृत्वमे एनडीए सरकार चलि रहल अछि आ २०२५ मे सेहो वैऽह रहत। लोकसभाक प्रचारमे सेहो हम घुमि रहल छलौंह।

१५ जनवरीसँ शुरू होबयवला राजगक जिला स्तरीय बैसारक उल्लेख करैत ओ कहलनि जे एहिमे पांचो घटक दलक प्रदेश अध्यक्ष उपस्थित रहताह।

दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल पर कटाक्ष करैत संजय झा कहलनि, “केजरीवालक बिहारी समाजक प्रति घृणा सर्वविदित अछि। कोरोना कालमे ओ सभ बिहारीकेँ बसमे भरि सीमा पर छोड़ि देने छलथि। तखनि नीतीश कुमार एकटा शिविर लगओलनि आ सभकेँ घर पठा देलनि।

दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल सोमदिन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ पत्र लिखि बाबासाहेब भीमराव अम्बेडकर पर केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाहक टिप्पणी पर गहनतासँ विचार करबाक लेल कहलनि। एकर जबाबमे संजय झा सेहो पत्र लिखि जवाब देलनि।

ओ सवाल कयलनि जे दलित आ पिछड़ाक राजनीतिक बात करयवला केजरीवाल एखनि धरि कोनो दलित वा पिछड़ल व्यक्तिकेँ राज्यसभामे किएक नहि पठौलनि।

इंडिया एलायंसक बैसारकेँ लऽ कऽ विपक्षी दलपर निशाना साधैत संजय झा कहलनि जे कांग्रेस आ अन्य दल जातिगत जनगणना सन महत्वपूर्ण मुद्दा पर कहियो सक्रियता नहि देखौलक। मुम्बईक बैसारमे मात्र नीतीश कुमार जाति जनगणनाक मुद्दा उठौलनि। बाकी दल बस देखा रहल अछि।

कांग्रेसक राजनीति पर सवाल उठबैत संजय झा कहलनि, “अम्बेडकरकेँ भारत रत्न तखनि भेटल जखनि जनता दल सत्तामे छल। कांग्रेस मात्र अम्बेडकरक नाम लैत अछि, मुदा हुनक विचारपर काज नहि करैत अछि।” ओ कहलनि जे कांग्रेस लग संविधानमे कोनो ठोस मुद्दा नहि बचल अछि।

बीपीएससी आ शिक्षक भर्ती पर विपक्षक आलोचनाकेँ जवाबमे संजय झा कहलनि कि नीतीश कुमारक कार्यकालमे सब नियुक्ति पारदर्शिताक संग कयल गेल अछि। जे आइ विरोध प्रदर्शनक समर्थन कऽ रहल छथि, एतय धरि कि बीपीएससीक अध्यक्ष सेहो अपन कार्यकालमे जेल गेलाह। हमर सरकार ओ करत, जे उचित होएत। एकरा राजनीतिक रंग देब ठीक नहि अछि।

संजय झा इहो कहलनि जे दिल्ली विधानसभा चुनावक संबंधमे भाजपा आ जेडीयू केर बीच बातचीत चलि रहल अछि। ओ कहलनि, “हम सभ पिछला बेर एक संग लड़लहुं आ एहि बेर सेहो एक संग लड़ब। सीट बंटवारा पर चर्चा चलि रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *