जन सूरज पटनामे पोस्टरक माध्यमसँ राजद पर आरोप लगओलनि अछि जे लालू यादव अपन परिवारक अलावा यादवकेँ बढ़ावा नहिं देलखिन।
आब जन सुराज राजधानी पटनाक सड़क पर पोस्टर वॉर शुरू कऽ देलक अछि। जन सुराज रवि दिन पोस्टरक माध्यमसँ लालू परिवारकेँ निशाना बनौलक छथि। पोस्टरक माध्यमसँ यादव समाजकेँ ई देखाबय केर कोशिश कयल गेल अछि जे लालू यादव अपन परिवारक अलावा कोनो यादव जातिक नेताकेँ बढ़ावा देबय केर काज नहिं कयलथि। पोस्टरमे साफ लिखल अछि जे ‘लालू यादव मात्र अपन परिवारकेँ देखलखिन, आन सब यादव नेता राजनीतिक संघर्ष कयलनि’। आयकर गोलम्बर सहित कतेको ठाम अपर्णा यादवक नाम पर ई पोस्टर लगाओल गेल अछि, जाहिमे हुनकर नामसँ जन सुराज लिखल गेल अछि।
बिहारक राजनीतिमे लालू परिवार पर बहुत हमला होइत रहल अछि। आब जन सूरजक निशाना पर सेहो अछि। अपर्णा यादव पोस्टर लगा कए यादव जातिकेँ स्पष्ट संदेश देबाक प्रयास केलनि अछि जे यादव समाजसँ आबय वाला लोक राजद केर आगू बढ़ेबा लेल कतनो संघर्ष आ मेहनत कयलथि, मुदा जखन ओकरा आगू बढ़ेबाक बात आबैत छल, तखनि ओहि समय लालू यादव अपन परिवारक सदस्यकेँ बढ़ा दैत छलाह।
एहि पोस्टरक कतेको अर्थ अछि। कहल जा रहल अछि जे प्रशांत किशोर ई देखाबय केर कोशिश कयलथि अछि जे यादव जातिसँ आबय वाला लोक सेहो जन सुराजमे पैघ संख्यामे शामिल भऽ रहल छथि। जन सूरजमे यादवकेँ सम्मान भेटि रहल अछि। यादवक पार्टी आब मात्र राजद नहिं अछि बल्कि जन सूरज सेहो बनि गेल अछि।