लोकसभा चुनावक एहि माहौलमे कांग्रेसक वरिष्ठ नेता आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री जयराम रमेश रवि दिन पटना पहुँचलाह। एहि दौरान ओ प्रेस कॉन्फ्रेंस कऽ भाजपाक आलोचना कयलनि।
कांग्रेसक वरिष्ठ नेता आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री जयराम रमेश रविदिन पटनामे एकटा संवाददाता सम्मेलन कयलनि, जाहि दौरान ओ मुसलमानक लेल आरक्षण पर लालू यादवक बयानसँ कात भऽ गेलाह, कहलाह, “हम कहियो धर्मक आधार पर आरक्षण नहिं देलहुं। धर्मक आधार पर आरक्षण नहिं देल जा सकैत अछि। कर्नाटक आ तेलंगानामे आर्थिक आ सामाजिक स्तर पर आरक्षण देल गेल अछि। नागरिकता सेहो धर्मक आधार पर नहिं देल जा सकैत अछि। भाजपा इ देलक अछि। आरक्षणक प्रकृति तखन तैयार होयत जखन पूरा देशमे जाति आधारित जनगणना होयत।
जयराम रमेश कहलनि जे ३६९ लोकसभा सीटपर चुनाव भेल अछि। प्रारम्भिक चरणमे ई स्पष्ट भऽ गेल छल जे भाजपा दक्षिण भारतमे साफ आ उत्तर भारतमे हाफ भऽ गेल अछि। परिणाम ४ जूनकेँ हमर पक्षमे होएत। हमर कार्यकर्तामे बहुत उत्साह अछि। भाजपाक कोनो लहर नहिं अछि, युवा आ मजदूरमे आक्रोश अछि आ पीएम मोदी निशानापर छथि। प्रधानमंत्री मोदी जाहि तरहें मंदिर, मस्जिद आ हिन्दू मुसलमानक बात कऽ रहल छथि, ओ बता रहल छथि जे ओ ध्रुवीकरण आ साम्प्रदायिक रंग देबामे लागल छथि।
कांग्रेस नेता आगू कहलखिन कि ४०० केर पार करय केर नारा गायब अछि। पीएम मोदीकेँ एहसास भऽ गेल अछि जे कांग्रेस जमीनी स्तर पर जीत रहल अछि। लोक हमर वादा पसन्द कए रहल छथि आ हुनका आत्मविश्वास भेटि रहल अछि। ओ सभ ४०० केर पार करय केर नारा दऽ रहल छथि आ हम न्यूनतम मजदूरी दर ४०० करय जा रहल छी। हमर गारंटी कोनो व्यक्तिक नहिं बल्कि पार्टीक गारंटी अछि। मोदीजीसँ सवाल अछि जे ४०० केँ पार करय केर असली उद्देश्य की अछि ? ४०० केर पार करबाक लक्ष्य संघक पुरान लक्ष्य अछि। हुनकालोकनिक लक्ष्य मनुवादी संविधान आनब अछि।
पूर्व केन्द्रीय मंत्री कहलनि जे सीएम योगीक पुरान लेख बताबैत अछि जे ओ कोना आरक्षण समाप्त करय चाहैत छथि। ओ संविधान बदलए चाहैत छथि। प्रधानमंत्री मोदी एखन धरि जाति जनगणना पर अपन चुप्पी नहिं तोड़लनि अछि। पीएम स्पष्ट करथि कि ओ जाति जनगणनाक पक्षमे छथि वा विपक्षमे ? सुप्रीम कोर्ट ५० प्रतिशत आरक्षणक सीमा तय कयने छल, पीएम मोदी बताबथि जे की ओ एकरा ५० प्रतिशतसँ आगू लऽ जयताह ?