लोकसभामे विपक्षक नेता आ कांग्रेस नेता राहुल गांधी शुक्रदिन झारखंडक गोड्डा जिलाक मेहरामामे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत कहलनि जे जाहि दिन जातिगत जनगणना होयत, ओहि दिन देशक चेहरा बदलि जायत। दलित, आदिवासी, पिछड़ा आ गरीबकेँ ओकर असली ताकत पता चलत आ एकटा नव राजनीति शुरू होयत।
कांग्रेस नेता दावा कयलनि जे भले भाजपा जातिगत जनगणनाक माँगकेँ अस्वीकार कऽ देत, मुदा कांग्रेस पार्टी लोकसभामे प्रस्ताव पारित करत। ओ कहलनि जे जहिना दलित, आदिवासी, पिछड़ा आ गरीबक सटीक संख्या सामने आबि जायत, हम झारखण्डसँ दिल्ली धरि आरक्षणक ५० प्रतिशत दीवार तोड़ि देब।
ओ आरोप लगओलनि जे झारखंडमे भाजपा पिछड़ाक लेल आरक्षण २७ सँ घटा कऽ १४ प्रतिशत कऽ देलक। एहि बेर जहिना हमर सरकार बनत, एसटी केर आरक्षण २६ सँ बढ़ा कए २८ प्रतिशत, एससी केर १० सँ १२ प्रतिशत आ पिछड़ा वर्गक आरक्षण १४ सँ बढ़ाकेँ २७ प्रतिशत कयल जायत।
राहुल गांधी झारखंड आ महाराष्ट्रक चुनावकेँ राजनीतिक लड़ाईसँ बेसी विचारधाराक लड़ाई बतौलनि, राहुल गाँधी कहलनि जे एक दिसि भाजपा आ आरएसएस अम्बेडकर आ गाँधीजीक संविधानकेँ नष्ट करबाक प्रयास कऽ रहल अछि, दोसर दिसि कांग्रेस आ इंडिया गठबन्धन एकरा बचाबय लेल लड़ि रहल अछि।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर निशाना साधैत राहुल गांधी कहलनि, ‘मोदी जी कहैत छथि जे राहुल गांधी लाल किताब देखा रहल छथि। एकर पृष्ठ खाली अछि। ओ सभ इ एहि लेल कहि रहल छथि कि मोदी जी एकरा नहिं पढ़ने छथि। जँ ओ एकरा पढ़ि लितथि तँ देशमे नफरत आ हिंसा पसारय केर काज नहिं करितथि।
ओ कहलनि जे देशक शीर्ष ब्यूरोक्रेसीमे आदिवासी आ पिछड़ाक भागीदारी नगण्य अछि। ओ कहलनि “९० अधिकारी अहाँक सभटा जीएसटी बाँटि दैत छथि, ओ तय करैत छथि जे पाइ कोना बाँटल जायत। एहि ९० लोकमे एकटा आदिवासी छथि। अहाँक आठ प्रतिशत आबादी अछि, मुदा भागीदारी १०० रुपयामे १० पैसा अछि। ओबीसीक जनसंख्या कमसँ कम ५० प्रतिशत अछि, ओहिमे तीनटा अधिकारी छथि। १०० रुपैयामे सँ पाँच रुपयाक निर्णय लेबाक शक्ति हुनक हिस्सामे अछि।”
राहुल गांधी कहलनि जे झारखंडमे अहाँ हेमंत सोरेनकेँ मुख्यमंत्री चुनलहुं, ओ आदिवासी समाजसँ अबैत छथि। हुनका भाजपा आ आरएसएस द्वारा जेल भेज देल गेल छल। एकरा याद राखू। झारखण्ड चुनावक लेल कांग्रेसक घोषणाक उल्लेख करैत राहुल गाँधी कहलनि जे हम सभ प्रत्येक मास महिलासभक खातामे २५०० रुपया जमा करब। चुनावक बाद धानक एमएसपी ३२०० रुपया होएत। हम गरीबक लेल १५ लाख रुपया तक स्वास्थ्य बीमा योजना आनि रहल छी। जँ गरीब बीमार पड़ैत अछि तँ हुनका इलाजक लेल एको रुपया नहि देबय पड़त।
कांग्रेस पार्टी चाहैत अछि जे देश मात्र अरबपतिक नहि बल्कि सबहक होय। किसानक सम्मान होबए केर चाही। हुनका सही मौका भेटबाक चाही। जीएसटी अरबपतिकेँ लाभ दैत अछि। विमुद्रीकरण छोट व्यापारीकेँ मारि देलक। झारखण्ड सरकार अगिला पाँच बरखमे दस लाख रोजगार देबाक भरिसक प्रयास करत।