सुरक्षा

भारतीय नौसेना चक्रवात ‘दाना’सँ निपटबाक लेल हाई अलर्ट पर, राहत आ बचाव कार्यक तैयारी पूरा

नई दिल्ली
*

बृहस्पतिकेँ ओडिशा आ पश्चिम बङ्गालक तटपर चक्रवात ‘दाना’क टकरयबाक सम्भावनाक बीच भारतीय नौसेनाक पूर्वी कमान हाई अलर्ट पर अछि। नौसेना कोनो आपदासँ निपटबाक लेल राहत आ बचाव अभियानक तैयारी पूरा कऽ लेलक अछि। नौसेना मानवीय सहायता आ आपदा राहत (एचएडीआर) अभियानक लेल राहत सामग्री आ बचाव दलक सङ्ग नौसेनाक दूटा जहाजकेँ तैयार रखलक अछि जे आपातकालक स्थितिमे सहायता प्रदान करत।

पूर्वी नौसेना कमान एकटा वक्तव्यमे कहलक, “आंध्र प्रदेश, ओडिशा आ पश्चिम बंगालक नौसेना अधिकारीसभक समन्वयसँ व्यापक आपदा प्रतिक्रिया तंत्र सक्रिय कयल गेल अछि। बेस विक्चुअलाइजिंग यार्ड (बीवीवाई), सामग्री संगठन आ नौसेना अस्पताल आईएनएचएस कल्याणी सन इकाइसभक सहयोगसँ राज्य प्रशासन द्वारा माँगपर आवश्यक आपूर्ति आ चिकित्सा सहायता सेहो प्रदान कयल जायत।”

नौसेना प्रभावित क्षेत्रमे सड़क मार्गसँ कपड़ा, पेयजल, भोजन, दवाइ आ अन्य आपातकालीन सामग्री सन राहत सामग्री पठौलक अछि। एकर अतिरिक्त, “बाढ़ि राहत आ गोताखोरी दल सेहो तैनात कयल जा रहल अछि जाहिसँ आवश्यकता पड़ला पर बचाव आ राहत कार्य कयल जा सकय। भारतीय मौसम विज्ञान विभाग (आईएमडी)क अनुसार, चक्रवात दाना पछिला किछु घंटासँ १२ किलोमीटर प्रति घण्टाक गतिसँ उत्तर-पश्चिम दिस बढ़ि रहल अछि। समाचार प्रेषण तक ई ओडिशासँ लगभग २४० किमी आ पश्चिम बङ्गालसँ लगभग ३१० किमी दक्षिणमे स्थित अछि।

ओडिशामे धामरा आ भद्रक क्षेत्रमे लोकक निकासी अभियान शुरू भऽ गेल अछि। ओडिशाक मुख्यमंत्री मोहन चरण माझी कहलनि, “राज्य सरकार चक्रवात ‘दाना’केँ बहुत गम्भीरतासँ लऽ रहल अछि। केन्द्रापाड़ा, भद्रक, बालासोर, जगतसिंहपुर आ पुरी सन प्रभावित जिलामे सभ तैयारी कऽ लेल गेल अछि।”

एकर अतिरिक्त, चक्रवातक एहतियाती उपायक रूपमे कोलकाताक नेताजी सुभाष चन्द्र बोस अन्तर्राष्ट्रीय हवाई अड्डापर बृहस्पति दिन साँझ ६ बजेसँ १५ घंटाक लेल उड़ान सेवा स्थगित रहत। एनडीआरएफ ओडिशा आ पश्चिम बंगालमे पहिनेसँ तैयार अछि आ कोनो तरहक आपातकालीन स्थितिमे तुरत तैनात कयल जा सकैछ।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *