भारत विकासक पथ पर चलि रहल अछि। देश २०४७ धरि विकसित राष्ट्र बनबाक लेल तैयार भऽ रहल अछि। केन्द्रीय वाणिज्य आ उद्योग मंत्री पीयूष गोयल कहलनि जे भारतक विकासक गाथा अगिला २५ वर्षमे देशक अर्थव्यवस्थाकेँ वर्तमान ३.५ ट्रिलियन डॉलरक अर्थव्यवस्थासँ ३५ ट्रिलियन डॉलर धरि लऽ जायत।
अमेजिंग गोवा ग्लोबल बिजनेस समिट २०२४क उद्घाटन सत्रकेँ सम्बोधित करैत गोयल कहलनि जे २१म शताब्दी भारतक नाम होयत। भारत आबयवला तीन सालमे तेसर सबसँ पैघ अर्थव्यवस्था बनबाक बाटपर अछि। भारत वर्तमानमे दुनियाक पाँचम सभसँ पैघ अर्थव्यवस्था अछि।
ओ आगू कहलनि, “भारतक मजबूत आर्थिक बुनियादक कारण अर्थव्यवस्थामे तेजी देखल जा रहल अछि। हम सबसँ तेजीसँ बढ़ैत अर्थव्यवस्था छी। कम मुद्रास्फीति, मजबूत विदेशी मुद्रा भंडार आ निवेशक अनुकूल वातावरण पछिला १० सालमे भारतमे एफडीआई पछिला दशकक तुलनामे दुगुनासँ बेसी अनलक अछि।”
ओ कहलनि, “हम २०४७ धरि भारतकेँ एकटा विकसित आ समृद्ध राष्ट्र बनयबाक लेल केन्द्रित दृष्टिकोणक सङ्ग काज कऽ रहल छी। ठीक एही समय हम सब स्वतंत्रताक १०० वर्षक उत्सव मना रहल होएब।”
ओ कहलनि, “२०१४ मे हमर सकल घरेलू उत्पाद १०म सबसँ पैघ छल आ भारतक जनतामे बहुत कम अपेक्षा छल। हमरा अहाँक सङ्ग ई साझा करैत प्रसन्नता भऽ रहल अछि जे पीएम मोदीक नेतृत्वमे भारत दुनियाक पाँचम सबसँ पैघ अर्थव्यवस्था बनि गेल अछि। अगिला तीन सालमे हम दुनियाक तेसर सबसँ पैघ अर्थव्यवस्था बनि जाएब।”
केन्द्रीय मंत्री आगू कहलनि जे आइ भारतकेँ वैश्विक आपूर्ति श्रृंखलामे विश्वसनीय भागीदार मानल जाइत अछि। वाइब्रेंट गोवा फाउंडेशनक पहलक शिखर सम्मेलनक उद्घाटन समारोहमे मुख्यमंत्री प्रमोद सावंत, पूर्व केन्द्रीय मंत्री सुरेश प्रभु आ अन्य उपस्थित छलाह।
मुख्यमंत्री प्रमोद सावंत जोर देलनि जे गोवा पीएम मोदीक दृष्टिकोणमे योगदान देबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। ओ कहलनि, “आइ हम एतय न्यू गोवाक परिचय देबय लेल आयल छी, जे भविष्यमे निवेशक गंतव्यक रूपमे उभरबाक लेल तैयार अछि। हम पर्यटनसँ आगू बढ़ि राज्यकेँ उभरैत उद्योगक एकटा सम्पन्न केन्द्र बनयबाक दिशामे आगू बढ़ि रहल छी, जे गोवाकेँ वैश्विक मंच पर उजागर करत।”