मिथिला क्षेत्रीय बिहारक किशनगंजमे चलैत बसमे आगि लागि गेल। बस अचानक ओवरब्रिज पर धू-धू कऽ जरए लागल। एहि घटनाक क्रममे बसमे यात्री सेहो सवार छल। मुदा, राहतक समाचार ई अछि जे बसक सभ यात्री आ चालक सेहो सुरक्षित बाहर निकलि गेल छल। देखिते-देखिते बसमे आगिक लपट तेज भऽ गेल। घटनास्थल लग भीड़ जमा भऽ गेल आ यातायात ठप भऽ गेल। जहिना बसमे आगि लागल, ओकर लपट तेजीसँ बढ़य लागल। चारूकात अफरा-तफरीक स्थिति बनल। ई घटना सोमदिन खगरा ओवरब्रिज पर भेल ।
जखनि पुलिसकेँ बसमे आगि लगबाक सूचना भेटल तखनि पुलिस आ अग्निशमन दल घटनास्थल पर पहुँचि बसमे लागल आगि बुझायबाक प्रयास कयलक। जानकारीक अनुसार किशनगंजसँ पूर्णिया जा रहल यात्रीसँ भरल बसमे किशनगंजमे एनएच ३१ पर अचानक आगि लागि गेल। शुक्र अछि जे आगि पूर्ण रूपसँ शुरू होयबासँ पहिने सभ यात्री सुरक्षित उतरि गेल। मुदा, यात्रीसभक सामान उतारल नहि जा सकल आ आगिमे सभटा सामान जरि कऽ राख भऽ गेल। बादमे अग्निशमन दल घटनास्थल पर पहुँचल आ आगि पर काबू पाबय लेल कठिन परिश्रम करय पड़ल। प्रत्यक्षदर्शी लोकनि कहलनि जे जखनि आगि लागल तखनि बसमे लगभग ४० गोटे यात्रा कऽ रहल छल। जाहिमे बुजुर्ग आ बच्चा सेहो छल। मुदा सभ सुरक्षित उतरि गेल आ एकटा पैघ दुर्घटना टलि गेल। सदर थानाक प्रभारी संदीप कुमार घटनास्थल पर पहुँचलाह आ भीड़केँ नियंत्रित करबाक लेल हुनका पसीना छूटल छल। एहतियातक तौर पर एकटा एम्बुलेंस सेहो बजाओल गेल छल।