असमक मुख्यमंत्री हिमंता बिस्वा सरमा मुस्लिम आरक्षणकेँ लऽ कऽ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव पर तीक्षण हमला कयलनि। एतबे नहिं, ओ लालू यादवकेँ पाकिस्तान जयबाक सलाह सेहो देलनि।
बिहारक सिवानमे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत मुख्यमंत्री सरमा कहलनि जे लालू यादव की बाजि रहल छथि। मुसलमानकेँ सेहो आरक्षण देल जेबाक चाही। की भारतमे धर्मक आधार पर आरक्षण भऽ सकैत अछि ? कर्नाटकक कांग्रेस सरकार एससी, एसटी आ ओबीसीक कोटामे कटौती कऽ मुसलमानसभकेँ ६० प्रतिशत आरक्षण देलक। आन्ध्र प्रदेशमे मुसलमानसभकेँ आरक्षण देल गेल। आब लालू यादव कहि रहल छथि जे पूरा देशमे मुसलमानकेँ आरक्षण देल जाए।
ओ कहलनि “हम लालू यादवसँ बात करय चाहैत छी। हिन्दू पहिने जकाँ नहिं अछि, आब ओ जागि गेल अछि। जँ अहाँ मुसलमानकेँ आरक्षण देबय चाहैत छी तऽ पाकिस्तान जाउ, ओतए जाउ आ हुनका आरक्षण दिअ। हालहिमे लालू प्रसाद यादव कहने छलाह जे मुसलमानकेँ पूर्ण आरक्षण भेटबाक चाही। यद्यपि, विवाद बढ़लाक बाद ओ अपन एहि बयान पर सफाई सेहो देने छलथि।
लालू यादव अपन आधिकारिक एक्स अकाउंट पर लिखलखिन, “आरक्षणक आधार धर्म नहिं बल्कि सामाजिक पिछड़ापन अछि। प्रधानमंत्रीकेँ एतबा समझ सेहो नहिं छनि। हम मंडल आयोगकेँ लागू कयलौंह। की नरेन्द्र मोदी कहियो मंडल आयोग आ ओकर सिफारिश पढ़लनि ? मंडल आयोगमे ३५०० सँ बेसी पिछड़ल जातिकेँ आरक्षण भेटैत अछि, जाहिमे आन धर्मक सेहो सैकड़ो जातिकेँ आरक्षण भेटैत अछि।”
रैलीकेँ सम्बोधित करैत मुख्यमंत्री हिमंता बिस्वा सरमा कांग्रेस नेता नाना पटोले केर एहि बयान पर विपक्ष पर सेहो निशाना साधलखिन जे राम मंदिरकेँ शुद्ध कयल जेबाक चाही। ओ कहलनि, “महाराष्ट्र काँग्रेसक अध्यक्ष नाना पटोले कहलनि कि, जँ काँग्रेस सत्तामे आयल तऽ हम राम मंदिरकेँ दोबारा शुद्धिकरण करब। तऽ पहिने हमरा बताउ सोनिया गाँधी हिन्दू छथि कि ईसाई ? जँ सोनिया ईसाई छथि तखन की हम हुनका राम मन्दिरकेँ शुद्ध करबाक अनुमति देब ? ई कांग्रेस पार्टी एखनो राम मंदिरक पाछू पड़ल अछि। लालू यादव सेहो एखनो राम मंदिरक पाछू पड़ल छथि। हुनका लगैत अछि जे जँ कांग्रेसक सरकार बनत तखन ओ रामलालाकेँ फेरसँ तंबूमे आनि देत। हमरा देखय पड़त जे रामलला मन्दिर सन भव्य मन्दिर बनल। एहिना राम मन्दिर हजारो वर्ष धरि भव्य रूपमे रहबाक चाही।”
ज्ञात होयत जे कांग्रेस नेता नाना पटोले राम मंदिर के बारेमे विवादित टिप्पणी कयलनि। ओ कहने छलाह जे जँ कांग्रेस आ इंडिया गठबंधन सरकारमे आबि जायत तऽ राम मंदिरकेँ शुद्ध कएल जाएत, चारु शंकराचार्यकेँ बजा कऽ राम मंदिरमे विधिवत पूजा कयल जाएत।