विधि-व्यवस्था

सीएम केजरीवालक खिलाफ आरोपपत्रक संज्ञान लेबाक मामिलामे सुनवाई टलल

दिल्ली
*

दिल्लीमे शराब नीति मामलामे सीएम केजरीवालक खिलाफ सीबीआई चार्जशीट पर सुनवाई २७ अगस्त तक स्थगित कऽ देल गेल। सीबीआई अदालतकेँ कहलक जे हुनका मुकदमा चलयबाक स्वीकृति नहिं भेटल अछि।

दिल्लीमे शराब नीतिसँ जुड़ल सीबीआई मामिलामे मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवालक खिलाफ दायर आरोपपत्रक, राउज एवेन्यू कोर्टमे सुनवाई स्थगित कऽ देल गेल अछि। एहि मामिलाक अगिला सुनवाई २७ अगस्तकेँ होयत। सुनवाई केर दौरान अदालतमे सीबीआई केर तरफसँ कहल गेल जे हुनका एखन धरि मुकदमा चलाबय केर मंजूरी नहिं भेटल अछि।

गौरतलब अछि जे २९ जुलाईकेँ सीबीआई मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवालक विरुद्ध आबकारी नीति मामिलामे राउज एवेन्यू कोर्टमे आरोपपत्र दाखिल कयलक। राउज एवेन्यू स्थित अलग सीबीआई अदालतमे आरोपपत्र दाखिल करैत सीबीआई दावा कयलक जे सीबीआई एहि मामिलामे कथित अनियमितताक जाँच कऽ रहल अछि। उच्च न्यायालयक आदेशकेँ सर्वोच्च न्यायालयमे चुनौती देल गेल।
मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल सीबीआई द्वारा हुनक गिरफ्तारीकेँ बरकरार रखबाक उच्च न्यायालयक आदेशकेँ सर्वोच्च न्यायालयमे चुनौती देलनि अछि। ५ अगस्तकेँ दिल्ली उच्च न्यायालय मुख्यमंत्रीक गिरफ्तारीकेँ बरकरार रखलक।
गिरफ्तारीकेँ बरकरार रखबाक निर्णयसँ पहिने अदालत सुनवाईक दौरान कहलक जे सीबीआई जे कार्रवाई कऽ रहल अछि ओ द्वेषसँ प्रेरित नहिं अछि। जांच एजेंसी साबित कऽ देलक अछि जे मुख्यमंत्री गवाह सभकेँ प्रभावित कऽ सकैत छथि। हुनकर गिरफ्तारीक बादहि किछु लोक गवाही देबाक लेल आगू आयल। मुख्यमंत्रीक वकील कहलनि जे अदालतक एहि फैसलाक विरुद्ध आब सर्वोच्च न्यायालयमे याचिका दायर कयल गेल अछि।

जानकारीक लेल जनतब जे दिल्ली आबकारी नीति मामिलासँ जुड़ल कथित मनी लॉन्ड्रिंग मामिलामे मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवालकेँ ईडी २१ मार्च २०२४ केँ गिरफ्तार कयलक। सीबीआई आ ईडी आबकारी नीतिमे संशोधन आ लाइसेंसधारककेँ अवैध लाभ देबामे अनियमितताक आरोप लगओलक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *