अपराध

गुजरात पुलिस बिहारमे छापामारी कय युवककेँ कयलक गिरफ्तार, पाकिस्तानसँ कनेक्शन सेहो

मुजफ्फरपुर समदिया
*

मुजफ्फरपुर जिलाक सकरा थाना क्षेत्रक चकअबदुल्ला पहाड़पुर गाममे छापा मारय केर दौरान गुजरात पुलिस एकटा नेपाली युवककेँ गिरफ्तार कयलक अछि। गिरफ्तार युवक मोहम्मद शहनबाज उर्फ अली पाकिस्तानक आतंकवादी संगठनसँ जुड़ल अछि कहल जा रहल अछि । ओकरा गुजरातमे हिन्दू सनातन सङ्घक राष्ट्रीय अध्यक्ष उपदेश राणाक हत्याक षड्यन्त्र आ धमकी देबाक आरोपमे गिरफ्तार कयल गेल अछि। गुजरात पुलिस द्वारा गिरफ्तार कयल गेल शहनबाज उर्फ अलीक सकरामे एकटा नाना अछि। कहल जा रहल अछि जे शहनाज नेपालमे रहैत छल आ इंटरनेट मीडिया पर आपत्तिजनक टिप्पणी करबाक संग-संग आन षड्यंत्रमे सेहो शामिल छल। चर्चा ई अछि जे उपदेश राणाक हत्याक षड्यंत्रमे मौलाना सोहेल अबूबकर तिमोलक गिरफ्तारीक बाद ई मामिला सोझाँ आयल। सोहेल पाकिस्तानी आतंकवादी संगठनमे शामिल भेलाक बाद गुजरात पुलिस एहिमे आओर कड़ी जोड़लक। शहनाज उर्फ अलीक नंबर सोहेलक मोबाइलमे भेटल छल। इहो कहल जा रहल अछि जे सोहेल अलीकेँ पाकिस्तानी सङ्गठनसँ जोड़ने छल। गिरफ्तार युवक नेपालमे शहनाजक नामसँ जानल जाइत अछि। गुजरात पुलिस सकरा पुलिसक सहयोगसँ मोहम्मद अलीकेँ गिरफ्तार कयलक। शुक्रदिन देर साँझ धरि गुजरात पुलिस गिरफ्तार अभियुक्तकेँ अदालतसँ ट्रांजिट रिमांड पर लऽ जयबाक कवायदमे लागल छल। सकरा थाना राजू कुमार पाल कहलनि जे गुजरात पुलिस छापा मारलाक बाद एकटा युवककेँ गिरफ्तार कयलक अछि। पुलिसक प्रारंभिक पूछताछमे ओ बतौलक अछि जे वर्तमानमे ओ जमीन कीनि कऽ आ एकटा छोट घर बना कऽ सकरामे रहैत छल। एहिसँ पहिने ओ नेपालमे रहबाक बात कऽ चुकल अछि। ओकर विरुद्ध गुजरातमे १५३ ए सहित अन्य धाराक अन्तर्गत प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। सोहेल मार्चमे उपदेश राणाकेँ धमकी देबाक लेल वीपीएन नम्बरक उपयोग कयने छल। एहि ग्रुप कॉलमे पाकिस्तान आ नेपालक लोककेँ सेहो जोड़ल गेल छल। मानल जाइत अछि जे एहि कॉलमे सहनाबाज उर्फ अली सेहो शामिल छल। ओकरा पर भाजपाक पूर्व प्रवक्ता नुपुर शर्मा आ एकटा नव चैनलक संपादककेँ धमकी देबाक षड्यंत्रक आरोप सेहो अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *